नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार के संग फेर भेदभाव ?


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favoritesकेंद्र सरकार के तरफ सं बिहार के संग फेर पक्षपात कएल गेल. बिहार के गया स्थित ऑर्मी सर्विस कोर सेंटर ( ASC ) के बंगलुरु शिफ्ट कएल जा रहल अछि. जखन कि बंगलुरु मे डिफेंस के कइटा यूनिट पहिले सं मौजूद अछि. ई सभ रक्षा मंत्रालय के ओर सं भs रहल अछि. अखन देश के रक्षा मंत्री छथिन्ह ए के एंटोनी जी. एंटोनी जी कर्नाटक के पड़ोसी राज्य केरल के मुख्यमंत्री रहि चुकल छथिन्ह. आओर अखन के केंद्रीय मंत्रिमंडल मे बिहार प्रतिनिधित्व सिफर अछि.
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मामला पर अपन कड़ा नाराजगी जतबैत एकटा पत्र रक्षा मंत्री के लिखलखिन्ह अ. पत्र मे ओ कहलखिन्ह अ जे गया ASC सेंटर के एहिठाम सं बंगलुरु शिफ्ट करनाय राज्य के लोक के संग नाइंसाफी होएत. एहि सेंटर सं इलाका के हजारों लोक के रोजी-रोटी जुड़ल अछि. रोजगार मिलि रहल अछि. एकरा एहिठाम सं गेलाह सं ओ सभ सड़क पर आबि जएताह. रक्षा मंत्री के लिखल अपन पत्र मे मुख्यमंत्री इहो कहलथिन्ह अ जे बिहार बाढ़ि आओर भूकम्प प्रभावित जोन मे आबैत अछि. आओर गया मे एएससी सेंटर के रहला सं लोक के कोनो आपदा के समय मे तुरंत राहत मिलय के उम्मीद बनल रहैत अछि. सेंटर के हटला सं बिहार एहि सुविधा सं सेहो वंचित भs जाएत.
बिहार मे अखन सेना के मात्र दु टा केंद्र अछि. दानापुर मे सब एरिया हेडक्वार्टर आओर गया मे एएससी सेंटर. गया मे अखन जे ई सेंटर अछि ओ करीब 600 एकड़ मे फैलल अछि. रक्षा मंत्रालय एकरा एहि ठाम सं हटा बंगलुरु लs जाए चाहैत अछि. मुदा होहल्ला सं बचल लेल एकटा झुनझुना सेहो थमाएल जा रहल अछि. सरकार एहिठाम ऑफिसर्स ट्रेनिंग एकेडमी ( OTA ) बनाबय चाहैत अछि. ओटीए मे शॉर्ट सर्विस कमीशन ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. चेन्नई ओटीए के बाद ई देश के दोसर ओटीए संस्थान होएत जतय ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. ओना इंडियन मिलिटरी एकेडमी देहरादून मे सेहो ऑफिसर सभ के ट्रेनिंग देल जाएत अछि. अगर देहरादून के देखल जाए त ई देश के तेसर संस्थान होएत. मुदा एकर मतलब ई नहिं जे पहिने सं जे सेंटर अछि ओकरा हटा क दोसर ठाम लs जाएल जाए. सेंटर गया मे बनल रहय एकरा लेल सभ पार्टी के प्रतिनिधित्व के मिलिजुलि कs केंद्र सरकार के पास उठयबाक चाही. बिहार के संग अखन धरि बड़ नाइंसाफी भेल अछि. आब लोक के एकरा सभ के खिलाफ आवाज उठाबय पड़त. अपन आवाज बुलंद करय पड़त. अपन-अपन इलाका के सांसद... राज्यसभा सांसद के जगाबय पड़त जे आबो उठु... पार्टी पॉलिटिक्स के छोड़ि राज्य विकास के लेल एक होउ. आब बैसि कs राजनीति कएला सं काज नहिं चलत. दौड़-धूप करु. अहां सभ के कि लगैत अछि. अखन धरि जे बिहार के संग होएत आबैत रहल अछि ओ आगां सेहो होएत रहय ? अगर नहिं त देखैत कि छी अपन-अपन एमपी पर दबाव बनाउ. अगर से नहिं कs सकय छी त कम सं कम अपन बिचार त एहि ठाम राखिए सकय छी नहि . कि सेहो नहि ?



TwitIMG

Webmasters Make $$$

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु