नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब के ?

Hotels Combined Pty Ltd

दलित नेता जगजीवन रामजीक पुत्री आओर केंद्रीय जल संसाधन मंत्री मीरा कुमार जीक नाम लोकसभा अध्यक्ष के लेल तय भs गेल अछि. मीरा कुमार जी लोकसभा अध्यक्ष बनय वाली देश के पहिल महिला होएतिन्ह. मीरा जी के लोकसभा अध्यक्ष बनला सं केंद्रीय मंत्रिमंडल मे बिहार सं जे लs द कs एकटा मंत्री छलीह ओहो हटि जयतीह. यानी बिहार फाका भs जाएत. मंत्रिमंडल बनय सं पहिने लगैत छल जे यूपीए के जीताबय मे जेहि मंत्रालय के सभसं बेसि योगदान रहल ओहि मंत्रालय के मंत्री रघुवंश जी बनल रहता मुदा लालूजी के चक्कर मे ओहो मंत्री नहिं बनि पएलाह. आब त बिहार मे नीतीश जी आओर केंद्र मे बिहार सं जीतल एमपी सभ पर पूरा दारोमदार अछि. जे ओ सभ मंत्रालय के हरकयले रहताह. अपन-अपन इलाका के समस्या के उठाबैत रहताह. विकास के काज मंत्रीजी सभ सं मिलि क बढ़ाबैत रहताह. आब देखु कि होएत अछि.




Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG


Webmasters Make $$$
Webmasters Make $$$

No comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...