नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केंद्र मे हारल बिहार...

लोकसभा चुनाव मे बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक जादू चलि गेल. विकास ओर जातीय गणित के मामला मे सभ पर भारी पड़लाह. लालूजी आओर पासवानजी जे सोचि कांग्रेस सं तालमेल नहिं कएलाह रणनीति सफल नहिं रहल. यूपीए के प्रमुख सहयोगी दुनु नेता सोचय छलाह जे बेसि सीट जीत यूपीए के सरकार बनला पर मोलभाव करय के स्थिति मे रहलताह. मुदा दांव उल्टा पड़ि गेलन्हि. लालूजी केहुना S चारि टा सीट जीत पएलाह. पासवानजी के खातों नहिं खुलन्हि. पार्टी के सफाया गेल.
आब जखन केंद्र मे एक बेर फेर सं यूपीए आबि गेल अछि. सभ सं बड़का सवाल अछि जे कि बिहार के लेल नीक अछि ? कि नीतीश के जीत बिहार के लेल एकटा बड़का हार अछि ? कि एहि बेर केंद्रीय मंत्रिमंडल मे बिहार के समुचित प्रतिनिधित्व मिलत ? कि पिछला सरकार मे जे काज शुरू भेल छल चलैत रहत ओकरा पर ब्रेक लगत फेर दोसर ठाम चलि जाएत?
असल मे एहि बेर कांग्रेस के खुद के प्रदर्शन नीक अछि. उत्तर प्रदेश मे कई साल बाद पार्टी के नीक सीट मिलल अछि. आओर जखन उत्तर प्रदेश सं पार्टी के नीक सीट मिलल अछि ओहि ठाम के सांसद के मंत्री बनय लेल दावा किएक नहिं मजबूत रहत. एहिना दिल्ली... राजस्थान... आंध्र प्रदेश... तमिलनाडु... पंजाब आओर मध्य प्रदेश मे सेहो पार्टी के प्रदर्शन नीक रहल. मंत्रिमंडल के गठन मे एहि बात के ध्यान राखय पड़तन्हि. राजस्थान... मध्यप्रदेश ओर उत्तराखंड मे पार्टी बीजेपी के झोली सं सीट निकालय मे कामयाब रहल अछि. एकर पुरस्कार पार्टी के एमपी के मिलबाके चाही. एकरे संग एहि बेर पार्टी के युवा नेता सभ के सेहो नीक कामयाबी मिललन्हि. हुनका सभ के सेहो उम्मीद छनि जे मंत्रिमंडल मे मौका मिलि सकय छनि. एकटा आओर गप्प इहो अछि जे एहि बेर कांग्रेस के बेसि सीट मिलला के कारण पार्टी पर सहयोगी के दबाव सेहो नहि अछि. ओना लेफ्ट के गढ़ मे सेंघ लगाबय वाला ममता बनर्जी के सेहो नीक पद... प्रतिनिधित्व मिल सकय छनि.
मुदा बिहार के देखल जाउ लालूजी के चारि टा ओर कांग्रेस के दु टा सीट मिलल अछि. दु टा सीट निर्दलीय के गेल जखन कि बाकी 32 टा मे 20 टा जेडीयू आओर 12 टा बीजेपी के अछि. आब कांग्रेस अपन दुटा सीट मे से कइटा के मंत्री बनाउत. लालूजी के चारि टा मे से कइटा सांसंद के मौका मिलत. ओना मंत्री बनय के मौका मिलतन्हि लालूजी खुद आओर रघुवंश प्रसाद सिंह जी मंत्री बनि सकैत छथिन्ह. रघुवंशजी के नरेगा काफी हिट रहल अछि आओर कांग्रेस के जीत मे एकटा बड़का कारण रहल अछि.
आंकड़ा के हिसाब सं बिहार के मंत्रिमंडल मे काफी नुकसान अछि. एहि बेर जे मंत्री हारलाह ओहि मे मो. अली अशरफ फातमी( दरभंगा )... डॉ शकील अहमद(मधुबनी )... अखिलेश सिंह ( पूर्वी चम्पारण )... जयप्रकाश नारायण यादव ( बांका )... कांति सिंह ( काराकट ) आओर मो. तस्लीमुद्दीन ( किशनगंज ) शामिल छथि.
लोक केतबो कहथिन्ह जे...जे कोनो सांसद मंत्री बनय छथिन्ह पूरा देश के मंत्री होए छथिन्ह. एकरा राज्य... इलाका ... क्षेत्र सं जोड़ि s नहिं देखल जाएबाक चाही. मुदा जतय एहने काज होएत होउ... ओतेय देखय पड़ैत छै. जे मंत्री जेहि इलाका के रहय छथि अपना इलाका मे जोर- शोर सं विकास करय छथिन्ह. अपन भरि दफ्तर...कल-कारखाना काज के अपना इलाका मे लाबय छथिन्ह. एना नहिं रहैत संयुक्त बिहार के जतेक खनिज-संपदा... कल-कारखाना एहि ठाम रहय ओकर हेड ऑफिस कोलकाता... दिल्ली ओर मुम्बई मे रहैत की ? एकर कारण पहिने के मंत्रिमंडल मे बंगाल... महाराष्ट्र के लोक के भरमार छल. एहि ठाम के नेता के मंत्रिमंडल मे प्रभाव छल जे बड़का- बड़का संस्थान...मुख्यालय के अपना- अपना इलाका मे s गेलाह. अगर ऐना नहिं रहैत बिहार मे पहिनहुं आईआईटी... आईआईएम... आईआईएमसी... निफ्ट... एम्स जैसन संस्थान खुलल रहैत. रेलवे.. कोयला...लौह अयस्क...यूरेनियम सभ के भरमार एहि ठाम मुदा काज सभ बिहार सं बाहर. हेड क्वार्टर बाहर. एतबे नहिं एहि मे नौकरी पर जे नीक-नीक पद भरल गेल ओहि मे बेसि अहां बंगाली... मराठी के देखबय. बोकारो... टाटा... धनबाद मे अहां देख लिअ. बिहारी कम बाहरी बेसि मिलताह पैघ पद पर. बिहारी सिर्फ छोटका कम महत्वपूर्ण पद पर मिलताह. ओना एहि मे आब किछ फर्क एल अछि मुदा सभ मंत्रिमंडल मे प्रभाव के कारणे अछि. अहां के रेलवे के हाजीपुर कार्यालय के s भेल बवाल याद होएत . तखन ममता बनर्जी कतेक हंगामा कएने छलीह. अगर नहिं रहैत बिहार सेहो आईटी हब के रूप मे उभरल रहैत. बिहार के आईटी क्षेत्र मे बढ़ावा किएक नहिं देल गेल. आईटी... मोबाइल... दूरसंचार के क्षेत्र मे दक्षिणे भारत किएक बढ़ल- चढ़ल रहल.
सड़क बनाबय वाला अलकतरा... कंक्रीट... गिट्टी बिहार के, आओर रोड बनैत रहल दोसर राज्य के. अखन अहां बिहार के रोड के देखि लिअ, आओर दोसर राज्य के. फर्क जमीन आसमान के अछि. बात सिर्फ रेल ओर सड़क के नहिं अछि. बिजली... पानी... सिंचाई... रोजगार जे सभ बुनियादी सुविधा अछि बिहार सभ मे पिछड़ल रहल अछि. सभ मंत्रिमंडल मे राज्य के मजबूत नेता के रहने बिना नहिं सकैत अछि. इहे सभ के कारण पूर्वोत्तर राज्य बिहारे जकां पिछड़ल अछि. रोजगार के लेल दोसर राज्य दिस मुंह ताकैत रहैत अछि आओर लोक सभ बिहारी कहि... भैया कहि तिरस्कार करैत रहैत छथिन्ह. मुम्बई वाला राज ठाकरे के s जे हो-हंगामा भेल छल ओकर बेसि दिन नहिं भेल अछि.
एहि तरहे कहल जा सकैत अछि जे नीतीश जी के जीत बिहार के लेल एक तरहे हार अछि. राज्य आओर केंद्र मे दु तरहक सरकार रहय के सेहो असर पड़ैत अछि. केंद्र सं राज्य के नीक सहयोग नहिं मिलैत अछि. विकास के काज मे रोड़ा अटकाएल जाएत अछि. बात अहां कोसी के बाढ़ि मे सेहो देखने होएब. केंद्र के मन मे रहैत अछि जे विकास के क्रेडिट राज्य सरकार के नहिं मिल जाए. फेर विधानसभा चुनाव मे सेहो बेसि दिन नहिं अछि. एहि विषय पर अहां सभ अपन राय... सुझाव... टिप्पणी सेहो दिअ जे कि सही मे नीतीश के राज्य मे जीत सं केंद्र मे बिहार हारि गेल ? अहांक जवाब के इंतजार अछि.
Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeed
Add to Technorati Favorites


TwitIMG

9 टिप्‍पणियां:

  1. Ham ahaan sa sahmat nai chhi.Nitish jee ke Bihaar mein jeet ai batak dyotak aichha ki nitish agilo ber auta aur o jataba kaaj ka rahala haa bihaaar mein se kakaro sa chhipal nahin aichha.Agar ai baat ke main lee ki kendra Bihaar ke sahayta daita aichh kintu Bihaar ke sarkaar wo fund ke kaaje nai karaita aichha ta ki fayda.Nitish jee ke warchaswa banal rahainha o sabsa besijaroori bujhaita aichha aa takhan kendra ke sahyog.

    जवाब देंहटाएं
  2. Dhanyawad Mihirjee. ahank vichaar Bihar ke ekta barhka varg ke soch ke parichaayak achhi...kendra mein mantri hoi na hoi... vikaas ke prakirya satat chalbaak chaahi aur ekra lel lok ke seho jaagrook hobai parhat...dhanyawad

    जवाब देंहटाएं
  3. kichhu nik, kichu bejai. 5-10 varsha chhodi del jay te, kendra a bihar me eke party i.e. mukhyatah congress ke sarkar rahal. ohi samay mein bihar ke katek ras jorgar neta chhal muda kon swarth va majburi nahi kahi, o sabh bihar ke pragati se dur rakhba mein khub yogdan kelathi. o hunka sabhak negative attitude chhal. hamra sab ke ummid te achhi je nitish ji ke positive karya se bihar ke pragati hoit rahat. ona ehi baat se bahut dukh hoit ja'n rajya a kendra mein du partike sarkar rahla se bihar ke hani uthabe parat.

    जवाब देंहटाएं
  4. हितेंद्र जी अप्पन विचार सां हम सहमत छि, मुदा जाँ देखि तां बिहारक मंत्री सब अप्पन क्षेत्र के लेल सेहो किछु नहि केलक.. दरभंगा, मधुबनी दुनु जगह सां पिछला सरकार में केंद्र में मंत्री छलैथ, तैयो दरभंगा सां रहिका अप्पन गाम होयत जाए में तेरह तरेगन सूझी जायत अछि .. नेता सब जबैत निज हित छोड़ी राज्य हित में में नहि सोंचता ताबैत किछु नहि होयत

    नीतीश जी जाँ अप्पन बयान जे ओ पुस्तक "स्पेशल केटेगेरी स्टेटस: ए केस फॉर बिहार" के विमोचन के समय देने रहैत ताहि पर अडिग रहैत तं बिहार के लेल एही सन निक गप्प कोनो नहि - अप्पन सबहक स्मरण लेल बयान छल - जो बिहार को विशेष राज्य का दर्जा देगा मेरा समर्थन उसी को मिलेगा.. राज्य हित में यदि ओ ऊपर आबि केंद्र के कांग्रेस सरकार कें समर्थन दैथ तं राज्य आ राज्य के जनता के लेल एही सन निक गप्प की होयत

    अपनेक एकटा ग्रामीण

    जवाब देंहटाएं
  5. Mamanjee aur Pushpakjee, apan vichaar raakhai lel bahut bahut dhanyawad. Pichhla kichh mantrimandal mein Bihar ke kaita Mantri rahlaah a. neek neek mantralay hinka sabh le paas rahlain a.. muda sabh party politics ke kaaran Bihar ke vikaas par dhyaan nai delaah... hinka sab ke lagait chhalain je Vikaas hoila par okar faaida rajya sarkaar ke milat. ehi lel Bihar Pichhrhal gel. Darbhanga san Rahika ke beech mein hamron gaam Keoti achhi aur Bus san gaam gelaah par bhari raasta hanumaan chalisa parhai parhai achhi...National highway...Nepal India ke border wala ilaaqa rahait upekshat achhi.
    dhanyawad

    जवाब देंहटाएं
  6. bakwaas issue uthaile chhi ahan sab

    Sandeep Sharma

    sandeepsharma1976@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  7. Sandeep Sharmajee
    bahut bahut dhanyawad.
    Muda ahan lekh parhlau ki ohina apan comment likh delaun... Agar kendra mein mantri wala mudda nai rahait ta aai DMK aur TMC dunu rail... Krishri... Oorja.. Khanan Rasaayan jaisan mantralay ke maang nai karait... dunu party 8ta uar 11ta ke maang kailak a. kichh ta chhai jehi san hunka lagait chhain je mantralay milat ta rajya ... ilaqa ke behtar vikaas hoyat.


    Apna Bihar ...Mithila ke lok hamesha kahait rahai chhee je hum ee chhalaun hum o chhalaun>>> sadikhan Itihaas ke gungaan karait rahai chhee>> duhaai dait rahai chhee>> Muda aab ki chhee se nai dekhai chhee aur aab je chhee okra lel zimmedaar ki achhi ? kiyek Bihar atek Pichhrhal jaa rahal achhi? kiyek Bangal... Punjab...Andhra... Maharashtra Otek pragati kailak >> khanij dhan sampada mein otek rich hoyato Bihar (Jharkhand ) kiya pichhrhal rahal > Kiyek kichh rajya ke ilaaqa ke vishesh madad...sahayata milait achhi? Bihar mein barhka barhaka haankai wala kendra mein kiyek chit bha jaayat achhi? Kiyek ahan MBA... MCA...IT... Med...Engg ke ta chhorhu BA... MA tak karai lel Delhi... Mumbai aur Bangalore... Chennai ke raasta dekhai chhee? Kiyek desh ke top 10 ta chhorhu TOP 20 tak mein Biharak kono Mediacal...Engg... Biz...IIM... IIT.... school nai aabait achhi ...Ek du ta apwaad achhi ta Mission san jurhal institute san.
    Kiyek Bihar GDP>>> per capita income>>> Human index>>> Infrastructure>>> mein sab san nichha achhi> ehan bahut kichh achhi>>>ummeed achhi ahank jawaab jald milat

    dhanyawad
    Hitendra Gupta
    Hello mithila

    जवाब देंहटाएं
  8. Hitendra bhaai,

    sach likhal, bihaar men spasht badlaav bhel mudaa ki vikaas ke raah bhetal, vikaas ke je roop aahanke gaam jai men aabait aich hamro madhubani men caaru kaat bina hanumaan chalisaa padhne aahan kataou nahi jaa sakit chii.

    Sambhav je ii badlaav kendriya mantrimandal say bihaar ke anupasthiti ke baavjood ek ta rasta tay kare.

    neek likhal.

    dhanyavaad

    Rajneesh K Jha

    जवाब देंहटाएं
  9. Bahut bahut dhanyawad Rajneesh jee...
    kakhano kaal barh dukh hoyat achhi je Lalit Babu san la k Paswan jee... Nitish jee... Laloo jee desh ke rail mantri rahlaah... mudaa aaiye Darbhanga... Samastipur... saharsa... Khagadia... barauni jaai lel ahanke seat nai bhetat... ticket kataabai jaayab ta no room milat... sab ke ee chinta chhalanhi je dosar rajya wala ki kahat... Bihar ke 90 % project thanda basta mein achhi... kaaj kachhua gati san chail rahal achhi... ehina sab kshetra mein bha rahal achhi... o ta khoob humgama bhelah par Nalanda wala sena depot... factory ke project ahi thaam rahi gel nahin ta eho bengal jaa rahal chhal...Jakhan hum IIMC mein chhalaun 1993 mein ta I&B minister chhalkhin KP singhdeo. O IIMC ke ekta branch kholi delkhinh Denknaal mein... Ohi tham Oriya mein seho Patrakariya parhaail jaa rahal achhi... ki ee hunka bina mantri rahale sambhav chhal.. Madhav Rao Scinda jakhan rail mantri chhalah ta MP mein jaal bichha delkhin...CK jafer Sharif seho apna ilaqa mein khoob train chalaik... aur aab Mamata aur Karunanidhi mein larhaai bha rahal achhi Rail Ministry ke lel... Maran IT mantri Banla ta NOKIA aur kaita co. ke Tamilnadu la gelaah . ki ee ohina bhel. sab apna ilaaqa mein la jaai chhathinh. aur vikaas mein dosar ilaaqa pichhairh jaayat achhi.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु