नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिलाक आईएएस


एहि बेर के सिविल सेवा परीक्षा मे ओना त बिहार... मिथिला सं कइटा छात्र चुनल गेलाह . मुदा मधुबनी के साकेत 13वां स्थान पाबि पूरा मिथिलाक मान गौरवान्वित कएलाह. साकेत जी मधुबनी के स्व. कामिनी मिश्र आओर प्रोफेसर सतीश कुमार मिश्र जीक पुत्र छथिन्ह. सतीशजी जेएन कालेज मे भौतिकी विभाग के प्रोफेसर छथिन्ह. साकेत जी पटना सं स्कूली पढ़ाई कएला के बाद दिल्ली के हिंदू कालेज सं बीए आओर एमए कएलाह. हिनकर चाचा सत्यनारायण मिश्र 1957 बैच के आईपीएस अधिकारी रह चुकल छथिन्ह.

हिनके जकां झंझारपुर... सिमरा के अनुज कुमार झाजी 52वां रैंक पएलाह. श्रीमती इन्दू देवी आओर श्री बद्री झा जीक सुपुत्र अनुज कुमार झा 2007 सिविल सेवा परीक्षा मे सेहो पास कएले छलाह. मुदा ओहि समय अनुज जी एलाइड बनल छलाह. मझौरा आओर सिमरा गाम सं स्कूलक पढ़ाई कएलाह. एकर बाद केजरीवाल उच्च विद्यालय झंझारपुर सं मैट्रिक कS कॉलेज के पढ़ाई के लेल दरभंगा चलि गेलाह. दरभंगा मे एमएलएसएम कालेज आओर सीएम साइंस कॉलेज सं पढ़ाई कएलाह आओर सिविल सेवा के तैयारी मे लगि गेलाह.

मिथिलाक सफलताक लिस्ट एतबा मे खत्म नहिं होएत अछि. मधुबनी जिला के गौरव बढ़ाबय वाला एकटा आओर हीरा छथि मधेपुर के अभिनव कुमार. हिनका 166वां रैंक मिललन्हि. अभिनव जी ई देखा देलखिन्ह जे गाम के माहौल मे पढ़ल विद्यार्थी सेहो काफी कुछ क सकैत अछि. अभिनव जीक पिताजी श्री महेश राय रेडिमेड कपड़ा के दोकान करय छथिन्ह. हिनकर स्कूली पढ़ाई सेहो मधेपुर सं भेलन्हि. कॉलेजक पढ़ाई रायपुर आओर पंतनगर सं कएलाह.

एहन नहिं अछि जे कि मिथिला सं सिर्फ लड़के लोक कामयाब भेलाह. दरभंगा के स्मृति सेहो 210 वां रैंक लाबय मे सफल भेलीह. सुश्री स्मृति दुमदुमा मोहल्ला के रिटायर मलेरिया इंस्पेक्टर नवीनचंद्र प्रसाद आओर शिक्षिका किरण बाला श्रीवास्तव जीक पुत्री छथिन्ह. स्मृति 2007 मे बीपीएससी के लेल सेहो चुनल गेल छलीह.

लड़की मे कहल जाउ तं मुजफ्फरपुर के गौशाला चौक के स्मिता वर्मा सेहो सफल रहलीह. सुश्री स्मिता जीक 359 वां रैक छनि. श्री राममूर्ति वर्मा जीकक पुत्री स्मिता कइटा नौकरी मे कामयाबी हासिल कएने छथिन्ह.

बिहार के एकटा आओर छात्र छथिन्ह बख्तियारपुर के अलीपुर निवासी मुकेश कुमार. मुकेशजी के पूरा देश मे 36वां स्थान मिललन्हि. बिहार पुलिस सं रिटायर दरोगा रामलखन सिंह जीक पुत्र मुकेशजीक स्कूली पढ़ाई गामे मे भेलन्हि. ओना आगां के पढ़ाई ओ पटना आओर जेएनयू सं सेहो कएलन्हि. ई त किछ नाम अछि एहन कतेक नाम अछि जे मिथिलाक... गाम घर सं जुड़ल अछि. एहने छुटल किछ नाम के बारे मे अगर अहां सभ के किछ पता होए... मालूम होए त हुनका बारे मे बताबय के कष्ट करब हम हुनका बारे मे हेलो मिथिला मे खबर जरूर देब.
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites


TwitIMG

4 टिप्‍पणियां:

  1. SABHI SAFAL YOGI KO DHERO DHERO BADHAAYEEYAAN...AUR AAPKA BHI AABHAAR KE AAPNE ITNI BADHIYA TARIKE SE PRASTUTI DEE...


    ARSH

    जवाब देंहटाएं
  2. आभार

    मुम्बई टाईगर

    हे प्रभु यह तेरापन्थ

    जवाब देंहटाएं
  3. हमर मिथिला आ समस्त बिहार के गौरव बढाबय बला सभ छात्र आ छात्रा लोकनि कें हमर हार्दिक शुभकामना I

    जवाब देंहटाएं
  4. namaskar sir jee aur ki haal chaal darbhanga se ek 137 216693 KESHAV KUMAR CHOUDHARY

    add kijiye

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु