नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राज के छोड़ि नबका राज्य बनाउ-राहुल

राज ठाकरे के छोड़ि नबका राज्य बनाबय पर ध्यान दिउ. ई कहनाय छलन्हि कांग्रेस नेता राहुल गांधी के. राहुल गांधी बुध दिन मधुबनी के पंडौल मे छलाह. कांग्रेस नेता के कहनाय छलन्हि जे महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना... मनसे के राज ठाकरे के बात पर ध्यान नहिं दिअs. राज ठाकरे के ई नहिं भूलबाक चाही जे महाराष्ट्र...मुम्बई के बनाबय मे बिहार के लोक के बड़का हाथ छनि. बिहार के लोक बड़ मेहनती ओर लगनशील होएत छथि. अहां सभ राज के अभद्र व्यवहार के छोड़ि अपन मेहनत सं आगां बढ़य पर ध्यान दिउ... नबका राज्य बनाबय पर ध्यान दिउ.
मधुबनी सं चुनाव मैदान मे ठाड़ डॉ शकील अहमद के प्रचार लेल पंडौल पहुंचला पर राहुल गांधी के जोरदार स्वागत कएल गेलन्हि. सभा मे भारी भीड़ उमड़ल छल. राहुल गांधी लोक सं कांग्रेस के वोट देबय के आग्रह कएलथिन्ह. राहुल गांधी के कहनाय छलन्हि जे बिहार सरकार हर मोर्चा पर विफल साबित भेल अछि. कोसी बाढ़ि के दौरान सरकार लोक के राहत पहुंचाबय मे विफल रहल. लोक अखनो कष्ट मे रहि रहल छथि. बिहार हर दृष्टि सं दोसर राज्य सं पाछां अछि. बिहार मे रोजगार के अवसर नहिं रहला सं लोक के दोसर ठाम जाए पड़ैत छनि. ओ कहलथिन्ह जे अहां सभ केंद्र मे फेर सं कांग्रेस... यूपीए के सरकार बनाउ. देश राज्य तरक्की के रास्ता पर बढ़ैत रहत.
कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी भने राज्य सरकार के जमि कs कोसलाह मुदा आरजेडी...एलजेपी के खिलाफ किछ नहिं बोललाह. लालू... पासवानजी भने हुनका खिलाफ अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने छथिन्ह मुदा राहुल जी किछ बोलय सं बचलाह.






Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeed

2 टिप्‍पणियां:

  1. नेताजी के बात पर कतेक करब विश्वास।
    आजादी के बाद सँ मिथिला केर उपहास।।

    सादर
    श्यामल सुमन
    09955373288
    मुश्किलों से भागने की अपनी फितरत है नहीं।
    कोशिशें गर दिल से हो तो जल उठेगी खुद शमां।।
    www.manoramsuman.blogspot.com
    shyamalsuman@gmail.com

    जवाब देंहटाएं
  2. asal main e sab chunaw ke asar chalah... je congress e dawa kare aichh ki d"esh ke kisi v koi kone mein jakar koi bhi apna jiwan yapan ya kuch v kar sakte hai - rahul gandhi ji bhashan chalah" ta mumbai wala kand mein aisan lagai chhale ki congress hanimooooooon manane ke liye desh se bahar chail gail rahey.... aur congress ke e bat k pata hi nai chhaley ki desh mumbai aur north indian jaisan koi kand bhi vail rahae... janta ke khud aie sab par dhyan debe ke chahi.......

    SO HALLA BOL AGAINST TERROSIT .......& LIKE RAJ THAKRE JAISEN DESHDROHI NETA ....


    MUNNA SINGH, NEW DELHI

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु