नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किनका चुनबय ?


चुनाव केर घोषणा भेल नहिं कि राजनीतिक हलचल शुरू भs गेल. सभ पार्टी के नेता अपन- अपन गोटी बैसाबय मे जुटि गेलाह. पार्टी सभ सेहो तालमेल करय मे लागल छथि. सरकार के कामकाज के बखान करय वाला विज्ञापन सं अखबार सभ भरल पड़ल अछि. पूरा के पूरा अखबार विज्ञापन सं अटल अछि. करोड़ों ऱुपया खर्च भs रहल अछि. मंदी के एहि दौर मे लाखों लोक के रोजगार मिलि रहल अछि. मुदा सभसं बड़का सवाल अछि कि अहां किनका चुनबय? लोक मझधार मे फंसल छथिन्ह. एक तरफ नीतीश जी छथि त दोसर तरफ लालूजी... फातमीजी ... शकील जी आओर पासवान जी.
ई गप्प जरूर अछि जे लालूजी आओर राबड़ीजी के पार्टी के शासन काल मे बिहार काफी पिछड़ि गेल. बिहार देश के दोसर राज्य के तुलना मे काफी पाछां रहि गेल.
एकर अंदाजा बिहार सं बाहर गेलाह के बाद लगैत अछि जे दोसर राज्य कतेक उन्नति कs गेल अछि. विकास के मामला मे त पिछड़ल मुदा हत्या... अपहरण... हिंसा... रंगदारी... मारिपीट मे काफी आगां चलि गेल. सांझ के बाद लोक के घर सं निकलनाय मुश्किल भs गेल छल. लोक गाम- घर छोड़ि दिल्ली... मुम्बई... पंजाब दिस पराय लगलाह. मुदा दोसर ठाम बिहार के लोक के नीच दृष्टि सं देखल गेल... बिहारी कहि के चिढ़ाएल गेल...
भैया कहि कs पुकारल गेल. मुम्बई सं मारि कs भगाएल गेल... असम मे मारल गेलाह. भाई भतीजावाद... जातिवाद के राजनीति के लs क बिहार देश मे बदनाम भs गेल. स्कूल कॉलेज के पढ़ाई -लिखाई चौपट भs गेल... सभ ठाम माफिया...बाहुबली के जोर चलय लागल. छात्र सभ सेहो पढ़ाई लेल दिल्ली आओर दक्षिण दिस रुख करय लगलाह. शांति प्रिय लोक सभ जमीन...खेत खलिहान बेच बाहर दिस जाय लगलाह. उद्योगपति... दोकानदार सभ अपन धंधा बंद कs दोसर ठाम चलि गेलाह. बिहार के हर क्षेत्र मे नुकसान सहय पड़ल. लिखय लागब त बड़का पोथी लिखा जाएत. ई गप्प सभ लोक जानय छी.
एहन स्थिति मे... हालात मे नीतीश कुमार जी बिहार के मुख्य मंत्री बनलाह. लोक के उम्मीद जागल. कइटा चीज पर लगाम लगएलाह. कानून व्यवस्था के स्थिति मे सुधार आएल.
लोक मे एक बेर फेर सं शांति... सुरक्षा के भाव बनय लागल. सड़क आओर विकास के काज रफ्तार पकड़य लागय मुदा कोसीक बाढ़ि के बाद एहि रफ्तार पर ब्रेक लागल अछि. कोसी के बाढ़ि मे भारी नुकसान भेल. सरकार बाढ़ि के रोकय मे विफल रहल. अगर बाढिं नहिं आएल रहैत... कुसहा के बांध नहिं टूटल रहैत त विकास के गाड़ी काफी आगां गेल रहैत. ई त बात भेल नीतीश जी के मुदा ई चुनाव राज्य के लेल नहिं भ रहल अछि. ई चुनाव भs रहल अछि केंद्र के लेल. लोक सभ के ई ध्याम मे राखय पड़तन्हि जे केंद्र मे ककर सरकार बनय. एहि चुनाव सं बिहार सरकार पर कोनो खास फर्क नहिं पड़त. फर्क ई पड़त जे अगर केंद्र मे एनडीए के सरकार बनत त दुनु सरकार मे तालमेल बेसि रहत.
मुदा ई ध्यान मे सेहो राखय पड़त जे बिहार सं बाहर केंद्र के राजनीति मे अपन पैर जमएला के बाद लालू जी नीक काज कs रहल छथि.
लालूजी केंद्र मे मंत्री बनला के बाद बिहार के लेल सेहो बड़ काज कएलाह . छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के गप्प होय आ नवका रेल चलाबय के बिहार के प्राथमिकता देलखिन्ह. गरीब रथ... बिहार सम्पर्क क्रांति रेल होय आ रेल कारखाना... रेल मरम्मत कारखाना... रेल डिवीजन करोड़ो रुपया के प्रोजेक्ट बिहार मे लगएलाह. बिहार मे खास ध्यान मिथिला पर देलखिन्ह. दरभंगा... जयनगर... सीतामढी... निर्मली... लौकहा... मधेपुरा पर विशेष ध्यान देलखिन्ह. एहन मे लोक सभके ई ध्यान मे राखय पड़तन्हि जे अगर दोसर कोनो सांसद रेल मंत्री बनय छथि त लालू जी जे काज शुरू कएलाह ओकर रफ्तार धीमा पड़ि सकैत अछि. रेल के मामला देखल जाए त लालू जीक जीतनाय जरूरी लगैत अछि. ओना अखने ई नहिं कहल जा सकैत अछि जे ओ फेर सं रेल मंत्री बनताह. मुदा कोनो मंत्री बनताह अपन प्रोजेक्ट के रफ्तार धीमा नहिं होय देताह.
चाहे ओ केंद्रीय विद्यालय के मामला होय आ अलीगढ़ विश्वविद्यालय आ मौलाना आजाद विश्वविद्यालय के. फेर इग्नू के रिजनल सेंटर बनाबय के होय आ दोसर शिक्षण संस्थान लाबय के फातमी जी जोर- शोर सं लागल रहलाह. लालूजी के रेल के बेसि काज मिथिला मे लाबय लेल मजबूर करय मे हिनकर हाथ छनि. फातमी जी त दरभंगा मे रेलवे के डिवीजन लाबय लेल लालू जी के तैयार कs लेने छलखिन्ह मुदा योजना आयोग एहि पर अड़ंगा लगा देलक.
मधुबनी के सांसद डॉ शकील अहमद जी सेहो कोनो कम काज नहिं कएलाह. पूरा मिथिला के टेलीकाम क्रांति सं जोड़ि देलाह.
पासवान जी सेहो कारखाना के लेल जमि कs काज करलाह. ई सभ सांसद बिहार के कोटा सं यूपीए सरकार मे मंत्री छथिन्ह आओर हिनकर सभ रे नीक प्रतिष्ठा छनि. काज सेहो नीक क रहल छथिन्ह.
अगर सभ गोटे जीत कs जएताह आओर फेर सं मंत्री बनताह त बिहार के लेल नीक गप्प रहत. त एहि बेर वोट देबय सं पहिने सभ किछ पर सोच- विचार करय पड़त. विकास के ध्यान मे राखय पड़त. त आब बताउ किनका चुनबय ? भारत मे गुप्त मतदान होएत अछि. कोई अहां सं नहिं पूछि सकैत अछि जे ककरा वोट देबय. मुदा एहि बेर जे हालत अछि ओहि मे अहां अपन विचार सं त लोक के अवगत त कराए सकैत छी. त जल्दी सं अपन विचार...कमेंट लिखि क भेजय के कष्ट करु.

Bookmark and Share
चिट्ठाजगत अधिकृत कड़ी

3 टिप्‍पणियां:

  1. NAMASKAAR ,
    MAHODAY ,
    KEENKAA-CHOONAB shirshak ke dwaara je SAWAAL apane puchalau se ta bdanik baat achi. lekin, jehan SASAKTA dhhang s,a rakhhalau sawaal se KAABILE-TAARIF achhi.ahan SOCHAIPAR MAJBOOR kay delau. Ehan NISPKSHA dhhang sa sawaal kayalau je ham DHARMASANKAT ME phansi gelao.ham UMMEED karait chhi je ehina NISPEKSHA aa VISWAAS banaine rahab.
    BHANYAWAAD
    PRABANDHA KUMAR SINGH
    MANIGACHI
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं
  2. बहुत-बहुत धन्यवाद प्रबंध जी
    एहिना उत्साह बढ़ाबैत रहिऔ आओर अपना दिस के समाचार सेहो देबाक कष्ट करिऔ. गाम घर दिस जे होए छै ओकरा बारे मे सेहो लिखि के भेजब त दोसरो लोक सभ के जानय लेल मिलतन्हि. उम्मीद अछि आगां सं अहां दरभंगा...मनीगाछी... मधुबनी.. झंझारपुर दिस के खबर सेहो भेजब. धन्यवाद

    हितेंद्र गुप्ता

    जवाब देंहटाएं
  3. Kee Batau, Mithilaak Viakasak lel MITHILA VIKAS PARTY ke shuruaat Bhai gel. Maithil Bahas kartaah par Mithila vikas party ke ignore kartaah.
    Badhiyaa manthanak Vishay achhi. Jakhan regional part lead kay rahal achhi ta BJP aa Samata aa Congress Kaiyaik.

    Vishesh partikriyaak baad

    Regards,

    Karna BK
    iipkarna@yahoo.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु