नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे हाईकोर्टक बेंच होबाक चाही कि नहिं?

                मिथिला मे ई मुद्दा एक बेर फेर गरमा गेल अछि जे दरभंगा मे  हाईकोर्टक बेंच होबाक चाही कि नहिं ?  स्थानीय लोक  सभ के कहनाय छनि जे दरभंगा उत्तर बिहार के बीच मे पड़ैत अछि ताही लेल एहि ठाम हाईकोर्ट के बेंच खुलला सं लोक सभ के बड़ सुविधा होएतन्हि.  लोक के आसानी सं न्याय उपलब्ध होए लगतन्हि.  अखन हाई कोर्ट पटना मे होबाक कारणे लोक सभ के पटना जाए पड़य छनि.  दरभंगा मे अगर हाईकोर्टक बेंच बनैत अछि त लोक सभ के रोजगारक अवसर सेहो बढतन्हि.  विकासक एकटा रास्ता खुलतन्हि.  मानव संसाधन विकास राज्यमंत्री अली अशरफ फातमी सेहो कहलथिन्ह अ जे ओ दरभंगा मे हाईकोर्टक बेंच बनाबय मे हर तरह मदद देबय लेल तैयार छथिन्ह.  हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे दरभंगा उत्तर बिहार के सभ ठाम सं रेल आओर सड़क सं जुड़ल अछि ताही लेल एहिठाम बेंच स्थापित भेलाह सं लोक के विशेष सुविधा मिलतन्हि.  अहां के कि लगैत अछि दरभंगा में खुलबाक चाही कि नहिं?  अपन राय जरूर देब.


Bookmark and Share

चिट्ठाजगत अधिकृत कड़ी

2 टिप्‍पणियां:

  1. NAMASKAAR,
    darbhanga me HIGHCOURT jaroor khulbaak chaahi, ehi me kono dooi-matt ke sawaale nahi achhi. janta-janardan t,a swaagatt karat
    DHANYAWAAD
    PRABANDHA KUMAR SINGH
    MANIGACHI
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं
  2. Darbhanga mei sirf High court te banbak ta chahi sangahi Darbhanga Mithila ke Rajdhani se banay Jakra lel hum sab andolan kari

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु