नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली...भोजपुरी...नेपाली चैनल

नेपाल के वीरगंज सं एकटा नवका टीवी चैनल तराई टेलीविजन शुरू भेल अछि.   तराई टीवी नेपाल के संग- संग मुख्य रूप सं बिहार आओर उत्तर प्रदेश के तराई... बॉर्डर इलाका के लोक के लेल शुरू कएल गेल अछि.  चौबीसों घंटा वाला एहि चैनल पर नेपाली के संग मैथिली... भोजपुरी आओर हिंदी मे सेहो कार्यक्रम प्रसारित कएल जाएत.  एहि चैनल मे तराई के लोक के ध्यान मे रखैत कार्यक्रम के प्रसारण कएल जाएत.  एहि चैनल पर मधेशी लोक के समस्या ... परेशानी... मुद्दा के उठाबय के संग एहि इलाका के संस्कृति... रहन- सहन... पावनि त्योहार के प्रमुखता देल जाएत.  चैनल पर समाचार के संगहि सभ तरहक धारावाहिक कार्यक्रम सेहो देखाएल जाएत.  ओना फिल्म... संगीत... गीतनाद के कार्यक्रम के कनि बेसि जगह देल जाएत.  तराई के लोक के अपन भाषा मे आएल ई चैनल लोक के एकटा आओर विकल्प उपलब्ध कराउत.  ओना महुआ चैनल के बाद ई पहिल चैनल होएत जेहि पर पूरा तरह सं भोजपुरी...मैथिली मे कार्यक्रम आएत. ओना त नेपाल-1 पर अखनो घंटा धरि के मैथिली मे कार्यक्रमक प्रसारण होएत अछि.  सहारा समय बिहार-झारखंड पर मैथिली आओर भोजपुरी मे कार्यक्रम के प्रसारण शुरू भेल छल मुदा ओ बेसि दिन तक जारी नहिं रहल सकल.  ओकरा बंद करि देल गेल.  ओना सहारा के मैथिली कार्यक्रम मिथिला मे खूब लोकप्रिय छल.  नेपाल सं एफएम पर सेहो मैथिली कार्यक्रम आबैत अछि ओ बड़ लोकप्रिय अछि.  उम्मीद कएल जा रहल अछि तराई टेलीविजन के मैथिली...भोजपुरी कार्यक्रम सेहो लोकप्रिय होएत. ई सभ त नीक अछि मुदा अहां के नहिं लगैत अछि जे मैथिली मे सेहो एकटा चैनल होबाक चाही छल ? कि अहां के नहिं लगैत अछि जे मीडिया मे मिथिलाक लोक के भऱमार रहैत एकोटा मैथिली चैनल  नहिं खुलला सं मिथिलाक अखन धरि पिछड़ल अछि? अपन विचार सं अवगत कराएब ?

Bookmark and Share

चिट्ठाजगत अधिकृत कड़ी

1 टिप्पणी:

  1. NAMASKAAR,
    ham apanek ehan andoleet karaywala vichaar s,a sahamat chhi.hamra mithila me paigh-s-paigh SAHITYAKAAR,BOODHHIJIVEE,aa mahaan NETA lokain seho chhalait aa akhhano achhi tathapi , mithila ke vikaas je gatee sa hoyabaak chahi se nai bhel.lekin ekta baatak santos jaroor achhi je ahan sab san CHINTAK aa JAAGROOK lokain chhati MITHILA ME je apna SAWAAL ke dwara SAMAAJ ke JAGABAI ke koshish kay rahal chi,tahik lel apanek bahut-bahut DHANYAWAAD.
    PRABANDHA KUMAR SINGH
    MANIGACHI
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु