नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सोशल नेटवर्किंग साइट

आई काल्हि सोशल नेटवर्किंग के लs क बड़ चर्चा भs रहल अछि. ऑर्कुट... फेशबुक... मायस्पेश... सोशलमोटो... आईमैट... यारी... किरकल...
स्टूडेंट ... सिलिकन इंडिया आओर लिंकडइन जैसन दर्जनों साइट अछि. बीच- बीच मे दोस्त सभ के सेहो कोनो नहिं कोनो सोशल नेटवर्किंग साइट के न्योत आबैत रहैत अछि... आओर हमहु सेहो हुनका सभ के दोस्त बनय लेल आमंत्रण भेजैत रहैत छी . मुदा भारत स्टूडेंट... ऑर्कुट आओर दोसर यारी... दोस्ती वाला साइट सभ के हालत देखि आ कहि ओहि पर लोक सभक प्रोफाइल देखि ओहि मे शामिल होए के मन नहिं करैत अछि. कइटा साइट के माहौल सेहो गंदा भs गेल अछि.
लोक सभ सेहो दुरुपयोग कs रहल छथिन्ह. ओना बेसि त नहिं मुदा जे दु- चारिटा सोशल नेटवर्किंग साइट पर साइन इन कएलौं अ ओहि मे सं लिंकडइन... सिलिकन इंडिया आओर फेसबुक नीक लागल. काज करय वाला लोक के लेल... प्रोफेशनल लोक के बीच नेटवर्क बनाबय लेल... करियर मे आगां बढ़य लेल सिलिकन इंडिया आओर लिंकडइन नीक अछि . मुदा सिलिकन इंडिया मे बेसि आईटी सं जुड़ल लोक सभ छथिन्ह. लिंकिडइन मे ई फायदा अछि जे एहि मे हर क्षेत्र के ... हर वर्ग के सैकड़ों लोक छथिन्ह.
अपन नेटवर्क बढ़ाबय लेल बेसि लोक मिलय छथिन्ह. एहि मे स्कूल... कॉलेज... कंपनी सं लs क मीडिया...एचआर... आईटी... पढाई -लिखाई सभ ग्रुप मिलि जाएत अछि. एहि मे अहां अगर अपन प्रोफाइल नीक सं भरि देब त एकदम बॉयोडाटा...रिज्यूमे जकां तैयार भs जाएत. अहां के प्रोफाइल देखय वाला लोक के... कंपनी के अहां के बारे मे पूरा पता चलि जएतन्हि.
लगला पर ओ अहां सं सम्पर्क सेहो कs सकैत छथि.
मे लोक एक दोसरा के जॉब के लेल सेहो बताबैत छथिन्ह. आब हमरा अहां सभ सं जानय के अछि जे अहां सभ अगर दु चारि टा आओर सोशल नेटवर्क साइट के मेंबर छी आओर ओकरा नियमित रूप सं उपयोग मे लाबय छी त ई बताबय के कष्ट करब जे कौन नीक अछि? अहां सभ के मुताबिक ऑर्कुट...इंडिया आओर लिंकडइन मे कौन बेहतर अछि. करियर... प्रोफेशन के हिसाब सं कौन नेटवर्किंग साइट के मेंबर बननाय नीक रहत? आ इंडिया के हिसाब सं कौन साइट सभ सं नीक अछि ?

3 टिप्‍पणियां:

  1. Bahut Nik aaro nav prayas Moderator Bandhu. Aitek baat katou naay paelon.

    Apan prayas chalu rakhik chahi.

    -Udayesh Ravi

    जवाब देंहटाएं
  2. NAMASKAAR
    Ona ham-sab lokain ta SAITE upayogya jarur karait chi lekin kahiyo ehi baat par dhyaan nahi gel[NIK-ADHALA]par.ehan jaankari layak SAWAAL ke lel ahan ke bahut-bahut DHANYAWAAD.
    jahan tak ORKUT aa LINKEDin me toolana ke sawaal achi hamra najari me LINKEDin nik achhi[ahan,k sawaal ke sandarbha me].ek pher ahan ke DHANYAWAAD ehan nik BISHAY par dhyaan akrista karbaak lel.
    PRABANDHA KUMAR SINGH
    MANIGACHI
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं
  3. हमरो सैह विचार अछि, फेसबुकमे बेशी सेक्युरिटी आ विविधता छैक।

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु