नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

खालसा कॉलेज मे मीडिया वर्कशॉप

                                                                                   दिल्ली विश्वविद्यालय के श्री गुरुनानक देव खालसा कॉलेज मे 17 तारीख के एकटा मीडिया वर्कशॉप सरोकार-2009 के आयोजन कएल गेल.  वर्कशॉप ' आधुनिक मीडिया: विविध आयाम ' पर छल.  एहि वर्कशॉप मे कइटा पत्रकार लोकनि आबि अपन अनुभव सं छात्र सभ के अवगत करौलखिन्ह.  पहिल सत्र मे सतीश जैकब... गौहर रजा आओर एनके सिंह अपन- अपन टिप्स छात्र सभ के देलखिन्ह.  दोसर सत्र मे राजीव कटारा जी खेल पत्रकारिता के बारे मे बतौलखिन्ह.  ओना क्रिकेट के आगां दोसर खेल के बढ़ावा नहिं देबय पर दुख सेहो व्यक्त कएलखिन्ह.  हॉकी...तीरंदाजी के दुर्दशा पर दुख जतएलखिन्ह.  अरविंद सिंहजी छात्र सभ के राजनीतिक पत्रकारिता के बारे मे बतौलखिन्ह.  हुनकर साफ कहनाय छलन्हि जे राजनीतिक पत्रकारिता बढ़ कठिन अछि आओर एहि के लेल सम्पर्क सूत्र बेसि सं बेसि बनयबाक चाही.  जतेक बेसि सम्पर्क रहत ओतेक बेसि खबर हाथ लागत.  मुदा एकटा गप्प सभ के कहनाय छलन्हि जे पत्रकारिता के क्षेत्र बड़ संघर्ष के क्षेत्र अछि आओर एहि मे खूब मेहनत करय के जरूरत अछि.  छात्र सभ के अपन- अपन स्टाएल बना कs लिखबाक चाही...रिपोर्टिंग करबाक चाही.  एहि वर्कशॉप मे हमरा सेहो बोलय के मौका मिलल.  कोनो वर्कशॉप मे बोलय के ई हमर पहिल अवसर छल.  हमरा न्यूजरुम के हलचल पर बोलय के लेल 10 मिनट के समय देल गेल छल.  ओहि मे हम विद्यार्थी सभ के  इलेक्ट्रानिक मीडिया के न्यूज़रुम के हलचल के बारे मे बताबय के प्रयास कएलौं.  मुदा एहि के लेल ई समय किछ कम पड़ि गेल आओर हमरा लागल जे जल्दी -जल्दी मे विद्यार्थी सभ के किछ बेसि जानकारी द देल जाए.  एहि लेल हम किछ स्पीड सं बोलय लगलौं. मुदा बाद मे हमर लागल जे हमरा हड़बड़यबाक नहि चाही छल.  किएक त जल्दी -जल्दी बतएला के बादो बहुत किछ बताबए के रहि गेल. जतेक वक्ता छलखिन्ह सभ त अपने बारे मे बोलैत गेलखिन्ह जे हम ई रिपोर्टिंग कएलौं... प्रधानमंत्री के संग त मंत्री के संग फलां ठाम गेलौं मुदा छात्र सभ के जे समाचार के जानकारी चाही छल ओ नहिं मिलि रहल छलन्हि.  ओना छात्र सभ के बताबए लेल बहुत किछ रहि गेल मुदा हुनका सभ के न्यूज रूम मे बारे मे जानए के लेल नब- नब चीज मिललैन्हि.  अगर फेर कोनो मौका मिलल त आओर विस्तार सं बताएल जाएत कि खबर अएला के बाद न्यूजरूम मे केना कि हलचल होएत अछि आओर खबर बनाबए लेल कतेक भागदौड़ होएत अछि. इनपुट... आउटपुट...  डेस्क... शॉट्स... पैकेज... पीसीआर...  एमसीआर...  एंकर...  रिपोर्टर...  लाइव... फोनो... ब्रेक... टीजर ...  रनडाउन एक- एक चीज के जानय के जरूरत छनि.
                                                                                         एहि वर्कशॉप मे दिल्ली विश्वविद्यालय के सभ पत्रकारिता कॉलेज के छात्र-छात्रा आओर प्रोफेसर सभ आएल छलखिन्ह.   दोसर सत्र मे हिन्दी आओर पत्रकारिता विभाग के अध्यापिका डॉ तृप्ता आओर मधु लोमेश सेहो अपन विचार व्यक्त कएलखिन्ह. मधु लोमेश जी के साफ कहनाय छलन्हि जे आई काल्हि के पत्रकारिता के हिसाब सं किताब उपलब्ध नहिं अछि आओर ओ पाठ्यक्रम के पुरान होय पर अफसोस सेहो जतएलखिन्ह.  खालसा कॉलेज के डॉ एच एस गिल जी के कहनाय छलन्हि जे एहन कार्यशाला छात्र सभ के लेल बड़ उपयोगी होए छनि ताही लेल एहि तरहक कार्यशाला बराबर होएत रहबाक चाही. छात्र सभ के एहि सभ सं काफी कुछ जानय के मिलैत अछि.  वर्कशॉप मे आएल छात्र-छात्रा सभ के सार्टिफिकेट...सम्मान सेहो देल गेल.  डॉ रेनू दु्ग्गल जी धन्यवाद ज्ञापन कएलखिन्ह.  ओना कार्यक्रम के सफल बनएबा मे प्रकाश प्रियदर्शी... रमण शुक्ला... लक्ष्मी शंकर मिश्र... बृजेश कुमार आओर सुजीत जीके बड़का योगदान रहलन्हि.   सभ गोटे कई दिन सं बर्कशॉप के सफल बनएबा मे लागल छलाह.  एहि वर्कशॉप मे ओना पंकज पचौरी आओर पुण्य प्रसुन वाजपेयी के सेहो बजाएल गेल छलन्हि मुदा हामी भरला के बादो ई सभ नहिं अएलखिन्ह.

    1 टिप्पणी:

    अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु