मैथिली भोजपुरी अकादमी के ओर सं दिल्ली के श्रीराम सेंटर मे गणतंत्र दिवस कविता उत्सव के आयोजन कएल गेल. ओना त सिंधी अकादमी... उर्दू अकादमी सभ के ओर सं हर साल गणतंत्र दिवस पर कवि सम्मेलन होएत अछि ...मुदा मैथिली भोजपुरी अकादमी के लेल ई एहन पहिल अवसर छल. कविता उत्सव के मुख्य अतिथि छलखिन्ह दिल्ली सरकार के मंत्री किरण वालिया जी. हुनकर कहनाय छलन्हि जे मैथिली सुनय मे बड़ नीक लगैत अछि .. .बड़ मीठ भाषा अछि. मन करैत अछि सुनते रहुं. समारोह मे मैथिली कवि मे डॉ गंगेश गुंजन... रवींद्र नाथ ठाकुर... डॉ कामिनी कामायिनी आओर सारंग कुमार जी जखन कि भोजपुरी मे डॉ चंद्रदेव यादव आओर अल्का सिन्हा जी कविता पाठ कएलखिन्ह. समारोह के अध्यक्षता वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. नित्यानंद तिवारी जी कएलखिन्ह. कविता उत्सव नीक रहल . लोक सभ सेहो खूब जुटल छलाह. दूर-दूर के किछ लोक के त ई कहि के सेहो बुला लेल गेलन्हि जे खाय-पिबय के सेहो इंतजाम रहत... मुदा ओहन कोनो बात नहिं छल. बस मे भरि- भरि के आएल लोक सभ एहि बात सं नाराज सेहो छलाह.
बड़ नीक लगैत अछि मैथिली...
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment
अहांक विचार/सुझाव...