नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केना होएत विकास ?

मिथिलाक विकास के लेल सभ मैथिल के एकजुट होए पड़त. बिना एक होने मिथिलाक विकास संभव नहिं अछि. विकास के लेल राज्य के... इलाका के देश के अन्य राज्य... इलाका के संग मुख्यधारा सं जोड़य पड़त. विकास के लेल इंफ्रास्ट्रक्चर पर विशेष खर्च करय पड़त. एकरा लेल सकारात्मक सोच आओर दृढ़ इच्छाशक्ति के जरूरत अछि. ई कहनाय छलन्हि प्रधानमंत्री के आर्थिक सलाहकार आओर बिहार के विकास के लेल बनाएल गेल योजना आयोग के विशेष टास्क फोर्स के अध्यक्ष डॉ सतीश चंद्र झा जीक. श्री झा मिथिलाक समग्र विकास: चुनौती आओर संभावनाविषय पर आयोजित समारोह मे ई विचार रखलाह. एकर आयोजन अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंच के ओर सं कएल गेल.

मैथिल बुद्धिजीवी सभ सेहो अपन- अपन विचार रखलाह. सभ लोकनि के कहनाय छलन्हि जे मिथिलाक विकास के राह मे सभ सं बड़का बाधा बाढ़ि अछि. साल भर मे विकासक जतेक काज होएत अछि बाढ़ि सभटा के अपना संग बहा कss जाएत अछि. एकरा लेल बड़का- बड़का बांध बनयबाक जरूरत अछि. बिना बाढ़िक समस्या के स्थायी समाधान कएने विकासक बात सोचनाय नीक नहिं होएत. बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र जीक कहनाय छलन्हि जे कोसी नदी विवाद के हल निकालय लेल नेपाल के संग समझदारी विकसित करय पड़त. जरूरत पड़ला पर भारत के एहि मुद्दा के अंतर्राष्ट्रीय मंच पर सेहो उठयबाक चाही. एहि मामला के बेसि दिन तक टालल नहिं जा सकैत अछि. लोक के गुस्सा फुटत त फेर सरकार के लेल मुश्किल भs सकैत अछि.

समारोह मे मैथिली-भोजपुरी अकादमी के उपाध्यक्ष अनिल मिश्र जीक कहनाय छलन्हि जे दृढ़ इच्छाशक्ति के बिना विकास संभव नहिं अछि. पूर्व केंद्रीय मंत्री डॉ. संजय पासवान कहलथिन्ह जे लोक के मिथिलाक... बिहारक विकास के लेल सभ के एकजुट होए पड़त. खैनी...तम्बाकू खाय के पड़य रहय वाला प्रवृति के त्यागे पड़त. विधायक महाबल मिश्रा जी कहलाह जे लोक के फुस्सि बाजय के आदत छोड़य पड़तन्हि. ओ अपन मैथिली मे शपथ लेबय के जिक्र सेहो कएलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे विकास के लेल शिक्षा ... पढ़ाई लिखाई पर जोर देबय के जरूरत अछि. प्रसिद्ध इतिहासकार प्रो. डी. एन. झा जी सोशल ऑडिटिंग पर जोर देलखिन्ह ओर कहलथिन्ह जे आगां के बात करय सं पहिने हमरा ई देखय पड़त जे आजादी के एतेक दिन भेलाह के बादो हम एतेक किएक पिछड़ल छी. हमरा ई ध्यान राखय पड़त जे पिछला 60 साल मे कतेक विकास भेल आ विकास नहिं भेल त एकरा लेल के जिम्मेदार छथि.

लेखिका मृदुला सिन्हा जीक कहनाय छलन्हि जे गुजरात के एकटा छोट छिन गाम मे जे विकास भेल अछि ओ हमर शहर मे नहिं अछि. विकास के लेल काज करय के जरूरत अछि. समारोह के

पूर्व सांसद आओर वरिष्ठ राजनयिक डॉ. गौरीशंकर राजहंस सेहो संबोधित कएलखिन्ह. तय भेल जे एकटा ड्राफ्ट तैयार कएल जाए जेहि पर सभ गोटे मिलि - जुलि कs काज करि आओर विकास के ओर अग्रसर होए. ओना 23 टा प्वाइंट के लक्ष्य निर्धारित कएल गेल. जेहि सं मिथिला विकास के राह पर चलि सकय. मंचक अध्यक्ष डॉ रणजीत कुमार मिश्र जीक ई प्रयास नीक रहलन्हि. लोक सभ के जुटानि सेहो नीक रहल. कोनो तरहक जानकारी के लेल मंचक पता अछि -

अखिल भारतीय मिथिला नवनिर्माण मंच

प्लाट नंबर 208, ब्लॉक-एल एक्सटेंशन

मोहन गार्डन , उत्तम नगर, नई दिल्ली-110059

फोन- 098915-98277, 099688-73110

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु