नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नोएडा मे सांस्कृतिक कार्यक्रम

नोएडा मे 1 फरवरी के सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन कएल गेल अछि. ई सांस्कृतिक कार्यक्रम सरस्वती पूजा के अवसर पर भs रहल अछि. कार्यक्रम मे मैथिली आओर भोजपुरी कलाकार लोकनि अपन कार्यक्रम पेश करताह. कलाकार सभ टीवी पर होए वाला संगीत कार्यक्रम मे शामिल होएत रहैत छथिन्ह. कार्यक्रम सेक्टर 44 मे स्टर्लिंग अपार्टमेंट के पास होएत. सेक्टर 44 ... सेक्टर 37 के पास अछि. एहि ठाम आबय मे कोनो दिक्कत होए त नोएटा के अट्टा मार्केट या ग्रेट इंडिया पैलेस के पास आबि जाउ. ओहि ठाम सं करीब एक किलोमीटर दूर अछि ई जगह. या फिर एमिटी स्कूल सं कनि आगां अछि ई जगह. कार्यक्रम के तैयारी जोर- शोर सं भs रहल अछि. एकर आयोजन सद्भावना सेवा समिति केर ओर सं भs रहल अछि. सद्भावना सेवा समिति एकटा एनजीओ के रूप मे काज करैत अछि आओर कमजोर तबका के लोक... नूनू सभ के लेल सर्व शिक्षा अभियान चलाबैत अछि. अहां सभ संस्था के आर्थिक मदद सेहो कs सकय छी... जाही सं हिनकर सभक नीक काज बेरोकटोक चलैत रहय. कोनो तरहक जानकारी के लेल अहां सभ हिनका सभ सं सम्पर्क कs सकय छी...

sdbhawanaebents@gmail.com

omjaysai@hotmail.com

omjaysai@gmail.com

avinash25oct@gmail.com

sadbhawanaevent@mithilalive.com

jayprakash@mithilalive.com

Mo 9810633984

Mo 9811016949


NOIDA

On 01-February-2009 Sunday at 6 PM on Sector 44 opposite Sterling Apartment Near Sector-37, Noida


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु