नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विद्यापति पर्व समारोह...

मधुबनी मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन कएल गेल. एकर आयोजन मिथिलांचल जागरण मंच कएलक. ई समारोह दु दिन चलल. समारोहक अध्यक्षता विधायक रामदेव महतो कएलखिन्ह. समारोहक पहिल दिनक उद् घाटन बीजेपी नेता आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री हुकुमदेव नारायण यादव कएलखिन्ह. जखन कि दोसर दिनक कार्यक्रमक उद् घाटन केंद्रीय गृहराज्यमंत्री शकील अहमद कएलखिन्ह. हुकुमदेव जीक कहनाय छलन्हि जे विद्यापति जनचेतना के कवि छलाह आओर हुनकर रचना के प्रासंगिकता सदिखन बनल रहत. पूर्व मंत्री जीक इहो कहनाय छलन्हि जे लोक सभ के अपन मातृभाषा के प्रति आदर... सम्मान के भाव रखबाक चाही.
शकील जीक कहनाय छलन्हि जे विद्यापति जीक योगदान के कहिओ भुलाएल नहिं जा सकैत अछि. मैथिली के विकास मे... लोकप्रिय बनाबय मे हुनकर विशिष्ट योगदान रहल अछि. ओ इहो कहलथिन्ह जे मैथिली भाषा आ साहित्य के समृद्धता के कारण एहिठामक कला आओर संस्कृति अखनो फल फूलि रहल अछि. समारोह मे लोक सभ के कहनाय छलनि जे आम बोलचाल मे मैथिलीक प्रयोग बढ़ाबय के जरूरत अछि. एकरा व्यावहारिक जीवन के इस्तेमाल मे लाबय के जरूरत अछि. समारोह मे विधायक विनोद नारायण झा... विधायक रामप्रीत पासवान... डॉ प्रेमकांत झा... डॉ धनाकर ठाकुर... डॉ हेमचंद्र झा आओर कृपानाथ पाठक जी सेहो मौजूद छलाह. समारोह मे गीतनाद के कार्यक्रम सेहो भेल आओर लोक सभ जमि कs लुत्फ उठएलाह. पहिन दिन 'काशीक पंडित' नामक एकांकी के मंचन सेहो कएल गेल.


1 टिप्पणी:

  1. afsos mithila kokil widyapati ke upar aayojit karyakram ko bhi rajnaitik bana diya gay . chatukarita ki had kar di warna shakil ahmed ki kya jarurat thi wahan

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु