नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली सम्मेलन दिल्ली मे

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के 18वां सम्मेलन 21 आओर 22 दिसम्बर के दिल्ली मे होबय जा रहल अछि. सम्मेलन दिल्ली मे लाजपतनगर के शीतला मंदिर मे भs रहल अछि. ई मंदिर लाजपतनगर बस स्टैंड के पास अछि . एहि ठाम पहुंचय मे कोनो दिक्कत नहिं आएत . 22 तारीख के मिथिला राज्यक मांग लs क दिल्ली के जंतर-मंतर पर प्रदर्शन सेहो कएल जाएत. प्रदर्शन के बाद राष्ट्रपति आओर प्रधानमंत्री के ज्ञापन सेहो सौंपल जाएत. सम्मेलन मे देश-विदेश के सैकड़ों प्रतिनिधि शामिल होएताह. सम्मेलन मे चर्चा के विषय मुख्यरूप सं रहत 'मिथिलाक विकास के लेल मिथिला राज्य'.
21 तारीख के कार्यक्रम 10 बजे शुरू होएत आओर परिचय- पाति के बाद कोसीक बाढ़ि आओर ओकर मिथिलाक विकास पर असर पर चर्चा कएल जाएत. फेर लंच के बाद मिथिला राज्य के गठन किएक जरूरी अछि एहि विषय पर सभ लोक अपन -अपन विचार रखताह. एहि सम्मेलन के बारे मे कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अहां आगां देल गेल फोन नंबर पर अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के पदाधिकारीगण सं सम्पर्क कs सकैत छी.
फोन नंबर अछि-

9971873583 ,
9811680725 ,
9350904059 ,
9958397733 .


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु