नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी-कमतौल रेल लाइन



मधुबनी सं कमतौल के बीच रेल लाइन के लेल जल्दीए सर्वे कराएल जाएत. ओना मधुबनी सं रहिका... बेनीपट्टी... बिस्फी होएत कमतौल के लेल रेल लाइन के मंजूरी मिलि गेल अछि. मुदा राजनीतिक प्रभाव के कारण बीच मे एक-दुटा गाम सेहो जोड़ि देल जाएत अछि. एहन होएत आएल अ. आबि देखु एहि मे कि होएत अछि. आब जखन एहि रेल लाइन के लेल मंजूरी मिलि गेल अछि त उम्मीद अछि जे सर्वे मे तेजी आएत. मधुबनी सं कमतौल के बीच बनय वाला ई रेल लाइन करीब 35 किलोमीटर के होएत. सर्वे जतेक जल्दी शुरू होए नीक रहत... नहिं तs आगां काज बढ़त कि नहिं के जानलक. बिहार मे अखनो रेलवे के दर्जनो एहन परियोजना... काज अछि जे ओहिना पड़ल अछि. कोई देखय वाला नहिं अछि. काज के आगां बढ़ाबय के लेल इलाका के लोक सभ के सेहो आगां आबय पड़तन्हि. बिना लोक के जागरूक कएने... बेर- बेर नेता के लग ओहि मुद्दा के उठएले... काज नहिं बनत. इलाका मे काज कराबय लेल अपन सांसद... विधायक के संग आवाज उठाबय पड़त. पार्टी-पॉलिटिक्स के छोड़ि इलाका के विकास के लेल सभके संग आबय पड़त. विधानसभा... संसद मे आवाज उठाबय पड़त. अगर विधायकजी... सांसदजी नहिं सुनैत छथि... अनठिआबैत छथि... त हुनकर बहिष्कार करनाय शुरू कs दिअ. कहिऔ अखन नहिं सुनब त चुनाव मे भुगतै पड़त. दौड़ि कs अएताह. विधायक... सांसद जी के खिलाफ विरोध प्रदर्शन कs दिऔ. देखिऔ दौड़ल अएताह. हुनका काज करय पड़तन्हि. आओर जखन काज करताह त विकास जरूर होएत. बस बीच-बीच मे हुरकारैत रहिऔ.

1 टिप्पणी:

  1. bahut nik baat je madhubani sa kamtaul ke lel railway line sarvey bha rahal chhai ai sa gaam-gaam ke seho vikas hait.bahut bahut dhnyawad aahan sabke..............thanks a lot....ramesh

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु