नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केवटी मे बनत गर्ल्स हॉस्टल

केवटी... दरभंगा मे लड़की सभ के लेल सय बेड वाला हॉस्टल खुलत. एकर एलान केवटी मे केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री मो. अली अशरफ फातमी जी कएलकिन्ह. फातमीजी के कहनाय छलन्हि जे एहि हॉस्टल मे सभ तरहक आधुनिक सुविधा मौजूद रहत. एकरे संग हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे जल्दीए एकटा आईटीआई आओर सीबीएसई पैटर्न वाला स्कूल सेहो खोलल जाएत. फातमी जी पुरनका हिसाब सं अखन केवटी के लोक के सांसद छथिन्ह. मुदा परिसीमन के बाद केवटी, मधुबनी लोकसभा क्षेत्र मे आबि गेल अछि. जिला तं दरभंगा पहिने जका बनल रहत. एहि लs क केवटी के लोक सभ फातमी जी सं कहलथिन्ह जे केवटी तं आब मधुबनी मे आबि गेल अछि ताही लेल अहां के एहि बेर मधुबनी सं चुनाव लsड़ पड़त. फातमीजी मुस्कुरा कs रहि गेलखिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु