नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधेपुरा...सीतामढ़ी मे एडमिशन नहिं

मधेपुरा आओर सीतामढ़ी इंजीनियरिंग कॉलेज मे एहि सत्र मे एडमिशन शुरू नहिं होएत. असल मे एहि कॉलेज मे अखन धरि इंफ्रास्ट्रक्चर के काज पूरा नहिं भेल अछि. ओना सरकार एहि साल मधेपुरा... सीतामढ़ी आओर चंडी मे नवका इंजीनियरिंग कॉलेज खोलय चाहैत छल मुदा सिर्फ चंडी मे खुलि सकल. मधेपुरा आओर सीतामढ़ी मे आब अगिला सत्र सं एडमिशन होएत. ओना सरकार पहिने सं बंद तीन-टा इंजीनियरिंग कॉलेज... दरभंगा के जेएमआईटी, मोतिहारी के इंडियन कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग आओर गया के मगध कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग के खोलय मे सफल भेल. एहि सभ कॉलेद के लेल दु ...दु करोड़ रुपया देल गेल. आओर सभ कॉलेज मे 240- 240 टा सीट अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु