नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जेएमआईटी बनल डीईसी

दरभंगा के जेएमआईटी सं डॉ जगन्नाथ मिश्रा के नाम हटा देल गेल अछि. आब एकर नाम सिर्फ दरभंगा इंजीनियरिंग कॉलेज रहत. इंजीनियरिंग कॉलेज सं जगन्नाथ बाबू के नाम हटाएल गेला सं लोक सभ नाराज छथिन्ह आओर एकर विरोध सेहो भs रहल अछि. पूर्व विधायक लोकनि एहि बारे मे अपन विरोध जताबैत सरकार के चिट्ठी सेहो लिखलथिन्ह . ओना एकरा अखनो लोक जेएमआईटी के नाम सं पुकारय छथिन्ह. नाम के लs क एकटा पेंच सेहो अछि. जगन्नाथ मिश्रा इंस्टीच्यूट ऑफ टेक्नालॉजी के नाम दरभंगा इंजीनियरिंग कॉलेज त कs देल गेल मुदा कॉलेज के मान्यता ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय सं जेएमआईटी के नाम सं मिलल अछि. आब एकरा लेल सरकार के पत्र जारी करय पड़त एहि सभ मे टाइम लगि सकैत अछि. लोक सभ के इहो कहनाय छनि जे जखन एकर नाम बदलहे के छल त दु दिन पहिने एकरा जेएमआईटी के नाम सं विश्वविद्यालय सं किएक संबंध कएल गेल.
ओना एहि ठाम आब पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. एहि ठाम अखन सवा सय छात्र अछि. एकर उद्घाटन 20 नवम्बर के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी कएलथिन्ह. एहि अवसर पर मुख्यमंत्री जी के साफ कहनाय छलन्हि जे बिहार दुनिया मे एक बेर फेर अपन ज्ञानक परचम फहराएत आओर ई काज होएत मिथिलाक मेघा के बल पर. ओना त उद्घाटन समारोह शिक्षा सं जुड़ल छल आओर कार्यक्रम सरकारी सेहो छल मुदा एहि मे चुनावी मुद्दा छाएल रहल. सरकारी उपलब्धि के गुणगान कएल गेल. शिक्षा सं जुड़ल ई गप्प जरूर भेल जे अगिला सत्र मे तीन टा आओर नवका इंजीनियरिंग कॉलेज खोलल जाएत.

4 टिप्‍पणियां:

  1. आहक पोस्ट निक लागल्। उना देखल जाई ता शिक्षा सा राजनिती क हटाबे म फ़ैदा छए। शिक्षा आ राजनिती एखन के हालात मे एक दोसर क सबसे पैग दुश्मन य। बाकी अपन सबके बिहार मे ता राजनिती ककरो छोरे वला न छे।

    www.khabarnamaa.co.cc
    http://truth-define.blogspot.com

    जवाब देंहटाएं
  2. सुमित क पक्ष ल रहल छी, हमरो कहाबक अछि कि शिक्षा और राजनीति में दूरी हेबाक चाही ....नै ते राजनित क अपराधीकरण भइए गेले ओहिना शिक्षा क सेहो राजनीतिकरण भ जेते।

    जवाब देंहटाएं
  3. गिरीन्द्र जी,बिहार और मिथला का बदहाली क सब से पैग कारण य राजनिती। अपन सब क खुन म छै राजनिती। राजनिती क बिना खाना न पच सकै छै। शिक्षा क जे हालत अपना सब यहा छै,ओकर एक मात्र कारण ई राजनिती या। शिक्षा क स्तर क छोर हर चीज म राजनिती घुसल य। जखन घर जाई छि, ललित नरायण मिथिला विश्वविद्यालय म हड़ताल देखे क मिलत्। तहन जए राज ठाकरे मुम्बई म मारे य, त ओकर जिम्मेंदारी ककर???
    राज ठाकरे क या अपन सबक महान नेतागण क??

    जवाब देंहटाएं
  4. अपनेक पोस्ट बहुत निक अछि, हमर कथन इ अछि जे नाम में किछु नहि राखल छै .| इ सब राजनितिक खेल -पेंच थीक|मुदा एही चक्कर में मिथिलाक शिक्षा केर क्षेत्र में विकास नही रुकबाक चाही |आशा करै छि जे एही इंजीनियरिंग कालेज सं मिथिला आ बिहार केर नाम ओउर रौशन होयत |

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु