नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे आपदा प्रबंधन बल


प्राकृतिक आपदा सं निपटय के लेल बिहार मे नेशनल डिजास्टर रिस्पाँस फोर्स ... NDRF बनाएल जाएत. राष्ट्रीय आपदा प्राधिकार सं एहि लेल मंजूरी सेहो मिलि चुकल अछि. एहि फोर्स के स्थापना राजधानी पटना के पास बिहटा मे कएल जाएत. एहि के लेल करीब एक सय एकड़ जमीन के जरूरत पड़त जकरा अधिग्रहण के लेल काज चलि रहल अछि. कोसी मे आएल बाढ़ि आओर एहि सं पहिने बिहार मे आएल भूकम्प सं बेहिसाब नुकसान भेल. नुकसान तs भेल मुदा ओकरा बादो लोक के पास समय पर राहत आओर बचाब नहिं पहुंच सकल. कोसी मे आएल बाढि के बाद अगर लोक के पास समय पर राहत आओर बचाव दल पहुंचल रहति त सैकड़ों लोकक जान बचाएल जा सकैत छल आओर नुकसान के कम कएल जा सकैत छल. अधिकारी सभ के तs इहो नहिं पता छलन्हि जे कोन ठाम कतेक नुकसान भेल अछि आओर कोन सामान के जरूरत अछि. कतय राहत आओर बचाव दल भेजय के अछि. आब जखन NDRF बनि जाएत त उम्मीद करु जे कोनो प्राकृतिक आपदा के समय लोक के पास जल्दीए राहत पहुंचत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु