नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा मे 360 एचआईवी पॉजिटिव मरीज

दरभंगा मे एचआईवी मरीज के संख्या बढ़ि रहल अछि. एहि साल अक्तूबर तक करीब सोलह सय लोक एचआईवी जांच के लेल अएलाह जेहि मे सं 360 लोक मे एचआईवी पॉजिटिव पाएल गेल. ई आंकड़ा एकदम चौंकाबय वाला अछि. दरभंगा के बिहार एड्स नियंत्रण समिति के स्वैच्छिक परामर्श आओर जांच केंद्र मे पहिने साल मे तीस...चालीस टा मरीज आबय छल . मुदा एहि बेर जांच कराबय वाला लोक के संख्या काफी बढ़ि गेल अछि. सरकार के एहि लेल इलाका मे जोर- शोर सं जागरूकता अभियान चलाबय के जरूरत अछि. ई रोग ओना त गलत संसर्ग के कारण होएत अछि मुदा कई बेर गलत ढंग सं खून चढ़ा देल गेला सं सेहो भS जाएत अछि. कई बेर खून के जरूरत भेलाह पर ठीक सं जांच कएला के बगैर मरीज के एचआईवी संक्रमित खून चढ़ा देल जाएत अछि. एहि के लेल सरकार के ब्लड बैंक पर लगाम सेहो लगाबय पड़त आओर जांच प्रक्रिया के सख्त करय पड़त. कई बेर त एकहिं सीरिंज... निडिल सं कइटा मरीज के खून चढ़ा देल जाइत अछि. मरीज के खुद सावधानी सेहो बरतबाक चाही.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु