नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ई केना भs गेल ?

    दिवाली सं एक दिन पहिने राहुल के ई कि फुरैलन्हि जे ओ मुम्बई पहुंचतहि बस मे हो -हल्ला करय लगलाह.  ओना टीवी पर ओहि दृश्य के देखल जाय त साफ बुझाएत अछि जे ओ ककरो मारि नहिं रहल छथिन्ह.  ओ किनको मारबो नहिं करलखिन्ह.  सिर्फ राज ठाकरे... महाराष्ट्र सरकार के मंत्री सं बात करय लेल मोबाअल फोन मांगैत छलखिन्ह. इशारा  कs फोन मांगैत छलाह.  राज ठाकरे के राजनीति सं दुखी राहुल राज अपन विरोध प्रदर्शित करय छलाह.  मुदा पुलिस हुनका समझाबय के जगह मारि गिरएलक.  जेना कोनो बड़का आतंकवादी होए.  अगर ओ आंतकवादी रहताह त ओतेक देर बेर-बेर इशारा कs फोन केर मांग नहिं करतथिन्ह. गोली चला कतेक के मारि देले रहतथिन्ह.    राहुल "राज" यूपी- बिहार आओर मराठी मानुस के राजनीति मे चलि गेलाह.   महाराष्ट्र पुलिस राहुल के मारबो करलक  त आगा सं नहिं दोसर तरफ सं...  गोली मारला केर बाद घिचैत लs ता स्ट्रैचर पर पटकि देलक.   इहे महाराष्ट्र... मुम्बई पुलिस  पिछला हफ्ता  जखन राज समर्थक करोड़ों रुपया के सम्पत्ति बर्बाद कs देलक... कतेक बस मे आगि लगौलक...  कतेक बिहारी के पिटलक... किछ नहिं करलक.  ओहि टाइम मुम्बई पुलिस जमीन पर डंडा पीट लोक के  भगाबैत छल...  एहि मे दन सं गोली मारि देलक.  आओर राज्य के गृह मंत्री पाटिल केर बयान नय देखिऔ कहय छथिन्ह गोली के जवाब गोली सं देल जाएत.  दु दिन पहिने कि हिनकर मुंह मे कि अल्हुआ ठुसल छलन्हि जे ओतेक हंगामा भेले पर चुपचाप घर मे घुसल छलाह.  राज मामला पर सांप सुंघि गेल छलन्हि आब टर-टर करैत छथिन्ह.
                                                                                                  एहि मामला पर चाहे ओ शिवराज पाटिल होय आ आऱआऱ पाटिल दुनु के सेहो हाल छनि.  आओर एनसीपी के शरद पवार के नहि देखिऔ... कृषि मंत्रालय छोड़ि क्रिकेट मे राजनीति खेल रहल छथिन्ह.  दुनु एकदम चौपट... एकटा गृहमंत्रालय के भट्टा बएठैने छथिन्ह दोसर कृषि मंत्रालय के.  विदेश सं करोड़ो रुपया के सड़ल गेहुं मंगाबैत छथि.  खैर अखन एकर जिक्र करय के समय नहिं अछि.   मुदा जहि तरहे राहुल राज के पुलिस मारि गिरौलक ओ सरासर मानवाधिकार के मामला अछि.  भ सकैत अछि राहुल बिहारी छात्र लोकनि के बीच हीरो बनय के मन सं हवा मे रिवाल्वर लहरैले होताह.  ओ विरोध कs एहि मुद्दा पर लोक के ध्यान खिंचय चाहैत होथिन्ह मुदा कनिक गलती के लेल आई ओ हमरा बीच नहिं छथि.  हिनकर परिवार के हाल अहां समझि सकय छी.


    1 टिप्पणी:

    1. सर ई एनकाउंटर न छी,ई सरासर एक निर्मम हत्या थिक्। मुम्बई पुलिस एक बेर फेर खुलेआम राज ठाकरे क नित्ति क साथ देलक हन्। अब अपना लोगेन क जागे क बक्त आब गयल।

      राहुल की मुठभेड़ या हत्या: http://journalistsumit.blogspot.com/2008/10/blog-post_27.html

      जवाब देंहटाएं

    अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु