नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दुर्गापूजा लेल स्पेशल ट्रेन

दुर्गा पूजा...दिवाली आओर छठ के लsक भीड़ के देखैत दिल्ली सं बिहार के लेल तीनटा स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि. एहि मे एकटा ट्रेन पटना केर लेल जखन कि दुटा दरभंगा के लेल अछि. ई ट्रेन चलनाय शुरू भs गेल अछि आ 12 नवम्बर तक चलत.
नई दिल्ली स्टेशन सं पटना के बीच चलय वाला ट्रेनक नंबर अछि 0515A आओर 0516A . ई ट्रेन सप्ताह मे दु दिन चलत. पूजा स्पेशल ट्रेन पटना सं
राति 2040 मे खुलत आओर अगिला दिन सांझ मे 1800 बजे नई दिल्ली पहुंचत. जखन कि नई दिल्ली सं ई ट्रेन राति के 2300 बजे खुलत आओर अगिला दिन 1740 मे पटना पहुंचत. एहि मे थर्ड एसी, स्लीपर आओर जनरल बॉगी रहत.
दिल्ली सं दरभंगा के बीच चलय वाला ट्रेनक नंबर अछि 0349A आओर 0350A. दिल्ली सं ई ट्रेन राति के 2350 मे खुलत आओर दोसर दिन राति के पौने एक बजे दरभंगा पहुंचत. जखन कि दरभंगा सं ई 1150 मे खुलि 1330 बजे दिल्ली पहुंचत. एहि ट्रेन मे सिर्फ स्लीपर आओर जनरल बॉगी अछि.
दरभंगा के लेल एकटा आओर ट्रेन अछि 4005B आओर 4006 B. दिल्ली-दरभंगा एक्सप्रेस स्पेशल ट्रेन के नाम सं ई गाड़ी दिल्ली सं 2350 मे खुलत आओर अगिला दिन राति मे पौने एक बजे दरभंगा पहुंचत. आओर दरभंगा सं 1150 मे खुलि 1330 मे दिल्ली पहुंचत. दिल्ली-दरभंगा के बीच चलय वाला दुनु गाड़ी के टाइमिंग एकहि अछि. एके समय पर खुलत. खाली नाम दु आओर नंबर दोसर अछि. अगर दोसर सुपरफास्ट ट्रेन बिहार सम्पर्क क्रांति... स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस... गरीब रथ... शहीद एक्सप्रेस... वैशाली एक्सप्रेस... एहि सभ मे टिकट मिलय मे दिक्कत भ रहल अछि त एहि स्पेशल ट्रेन सं गाम घर जा सकय छी.


3 टिप्‍पणियां:

  1. hitendra ji aahaan k hum mithilavaasi bahut bahut aabhaari rahab.......ee blog sa hum dur rahitao apan maati se jural chhi.............ketabu chhip par chhadi jebai lekin jar ta apna mithila rahtae......eenahi humra sab k samachaar se avagat karabait rahu......alka

    जवाब देंहटाएं
  2. hitendra ji aahaan k hum mithilavaasi bahut bahut aabhaari rahab.......ee blog sa hum dur rahitao apan maati se jural chhi.............ketabu chhip par chhadi jebai lekin jar ta apna mithila rahtae......eenahi humra sab k samachaar se avagat karabait rahu......alka

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु