नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

खेती मे तकनीक पर जोर

बिहार सरकार खेती के लेल तकनीक पर विशेष जोर द रहल अछि. सरकार चाहैत अछि जे लोक खेती मे बेसि सं बेसि आधुनिक तकनीक के प्रयोग करय. एहि लेल पटना मे किसान मेला के आयोजन सेहो कएल गेल अछि. ई मेला सोम दिन 20 अक्तूबर तक चलत. मेला मे किसान भाई सभ के खेती... बागवानी... डेयरी आओर मछली पालन के बारे मे जानकारी देल जा रहल अछि. मेला मे फल आओर सब्जी के प्रदर्शनी सेहो लगाएल गेल अछि. जाहि ठाम उन्नत किस्म के फल आओर सब्जी के उपजाबय के जानकारी देल जा रहल अछि. एहि लेल करीब ढाई हजार किसान के प्रशिक्षन सेहो देल गेल अछि. मेला मे नुक्कड़ नाटक...कृषि गोष्ठी के आयोजन सेहो भs रहल अछि. मेला मे खेती के काम मे आबय वाला मशीन... बीज...खाद...कीटनाशक सभ राखय गेल अछि. राज्य भर सं आएल किसान सभ के खेती... औषधीय पौधा...पशुपालन...माइटक जांच के बारे मे सेहो बताएल गेल.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु