नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

स्वास्थ्य सुरक्षा अभियान

कोसी केर बाढ़ि सं प्रभावित सहरसा... सुपौल... अररिया... मधेपुरा आओर पूर्णिया मे स्वास्थ्य विभाग केर ओर सं स्वास्थ्य सुरक्षा अभियान...स्वास्थ्य आओर पोषाहार कैच अप राउंड चलाएल जा रहल अछि. स्वास्थ्य आओर पोषाहार कैच अप राउंड 27 अक्तूबर तक चलत. कैचअप राउंड मे महिला आओर नुनु...घियापुता सभ के टीका लगाएल जा रहल अछि . विटामिन ए के खुराक देल जा रहल अछि आओर पेटक कृमि मारय वाला दवाई देल जा रहल अछि . एकरे संग डायरिया के शिकार बच्चा सभ के ओआरएस देल जा रहल अछि . एहि अभियान मे आंगनवाड़ी आओर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के सामिल कएल गेल अछि. एहि मे राहत शिविर के संग घर- घऱ जाक दवाई...टीका देल जा रहल अछि. नाव के व्यवस्था सेहो कएल गेल अछि. एहि काज मे यूनिसेफ सेहो मदद कs रहल अछि. यूनिसेफ के तरफ सं ओआरएस... विटामिन ए आओर कृमिनाशक दवाई एलबेंडाजोल देल गेल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु