नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिस्फी मे आईटीआई

मधुबनी जिला के बिस्फी मे आईटीआई के जल्दीए खुलत.  महाकवि विद्यापति केर बिस्फी गाम मे आईटीआई खोलय के घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी कएने छलखिन्ह.  अगर सभ किछ  नीक रहल त 29 अक्तूबर के एकर उद्घाटन भs जाएत.   एकर उद्घाटन मानव संसाधन विकास मंत्री हरि नारायण सिंह करताह. ओना उद्घाटन के मौका पर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी  मौजूद रहताह.  बिस्फी हमर गाम के बगल मे अछि आओर एहि ठाम आईटीआई खुलला सं इलाका केर विकास मे... जिला केर विकास मे एकटा नवका अध्याय जुटि जाएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु