नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नमस्कार...

सभ मैथिलगण के हमर नमस्कार... केहन छी अहां सभ ? नीके छी कि नहिं ? पिछला हफ्ता तबियत किछ खराब भs गेला के कारण अहां सभ सं गप्प नहिं भs सकल. आब फेर होएत. अहां सभ सं आग्रह जे अहां सभ सेहो हेलो मिथिला केर लेल किछ लिखल करु. अपन गाम- घर केर बात लिखल करु. सुख -दुख केर गप्प लिखल करु. मिथिलाक विकास गप्प करु... गाम-घर केर विकास के लेल कि सभ कएल जा सकय अछि ? से लिखु. अगर अहां के पास कोनो नीक... ठोस उपाय अछि त ओहि सं सभ लोक के परिचित कराउ जाहि सं बेसि सं बेसि लोक के फायदा मिलि सकय. झिझकय के कोनो जरूरत नहिं हमरे जकां टूटल-फूटल मैथिली मे लिखल करु... बस लोक के पास संदेश पहुंचय के जरूरत अछि. असल मे मैथिली मे पढ़ाई-लिखाई नहिं होई के कारण करीब 90 प्रतिशत मैथिलगण नीक सं मैथिली नहिं लिखि पाबैत छथिन्ह. ताहि लेल शर्म के कोनो गप्प नहिं . बस किछ मन मे आबय लिखि कs भेज दिअ. हम अहांक विचार के एहि मंच पर राखय के कोशिश करब.

हितेन्द्र गुप्ता
+91-9873606696
hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु