नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एजाज बनला मदरसा बोर्ड के अध्यक्ष


वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. एजाज अहमद के बिहार मदरसा बोर्ड के अध्यक्ष बनाएल गेल अछि. प्रो. अहमद साहब मिथिलांचल सं छथिन्ह. प्रोफेसर साहब दरभंगा के बगल के शोभन गाम सं छथिन्ह. हिनका अध्यक्ष बनएला सं मिथिलांचल मे खुशी के माहौल अछि. अध्यक्ष बनला केर बाद प्रो. एजाज अहमद के कहनाय छलन्हि जे वो मदरसा शिक्षा मे व्याप्त कमी के दूर करय के कोशिश करथिन्ह. हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे हुनकर प्राथमिकता एकेडेमिक कैलेंडर के ठीक करनाय होएत... जाहि सं विद्यार्थी सभ के कोनो परेशानी नहिं होय. अध्यक्ष साहब के कोशिश रहतन्हि जे मदरसा के परीक्षा के स्वच्छ आओर पारदर्शी बनाएल जाए. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे हिनकर अध्यक्ष बनला सं बिहार मे मदरसा शिक्षा के क्षेत्र मे किछ सुधार आएत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु