नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

283 बर्खास्त शिक्षक बहाल

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के बर्खास्त 283 शिक्षक आओर दोसर कर्मचारी के बहाल करि देल गेल अछि. पटना हाई कोर्ट के आदेश पर विश्वविद्यालय के वीसी डॉ मिश्रीलाल यादव चतुर्थ चरण मे अंगीभूत दु टा कॉलेज केर कर्मचारी आओर शिक्षक के बहाल कs लेलखिन्ह. एहि बारे मे अधिसूचना सेहो जारी कs देल गेल अछि. 21 जून के दरभंगा के महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल कॉलेज आओर मधुबनी के झुमुक महासेठ धर्म प्रियलाल महिला महाविद्यालय के 283 शिक्षक आओर दोसर कर्मचारी के सेवा के सुप्रीम कोर्ट के आदेश के विपरित बताबैत बर्खास्त करि देल गेल छल. एहि के बाद ई मामला हाई कोर्ट मे चलि गेल. हाई कोर्ट मे शिक्षक सभ के राहत मिलि गेल आओर बर्खास्त करय के तरीका पर आपत्ति जताबैत हिनका सभ के बहाली के आदेश देल गेल.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु