नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मदद लेल आगां आउ... Haath barhaau


बाढ़िक
प्रलय के खबर जेना-जेना लोक के पास पहुंच रहल अछि लोक सभ मदद के लेल आगां आबि रहल छथिन्ह. जिनका जे भs रहल छनि दs रहल छथिन्ह. दु-चारि रुपया सं लs क करोड़ रुपया तक. जिनकर जेहन शक्ति छनि मदद कs रहल छथिन्ह. जिनका सय करोड़ के सम्पत्ति छनि ओ लाख... करोड़ रुपया केर मदद कs रहल छथिन्ह आओर जे रोज कमाय आओर रोज खाय वाला छथि ओ अपन शक्ति भर दु- चारि रुपया दs रहल छथिन्ह. मुख्य बात अछि लोक के आगां बढ़नाए. बुंदे-बुंदे...तालाब भरैत अछि... सागर भरैत अछि. मुदा एहि के लेल सभ गोटे के मिलि जुलि के काज करय के जरूरत अछि. अहां मुख्यमंत्री राहत कोष मे पाई जमा करा सकय छी... अगर अहांक इलाका मे रेडक्रास के कोनो दफ्तर अछि ओतेय जा क... बाढ़ि पीड़ित के नाम पर पाई... सामान मदद के लेल द सकय छी. ओ बाढ़ि प्रभावित इलाका मे ओकरा पहुंचाबय के कोशिश करथिन्ह. जतेक पेपर... टीवी न्यूज़ चैनल अछि सभ राहत... मदद मे जुटल छथिन्ह. अहां हुनको माध्यम सं मदद कs सकय छी... एकरा बारे मे पेपर... टीवी पर जानकारी देल जा रहल अछि. अहां हुनका सं सम्पर्क करय के कोशिश करु.
आसाराम बापू...स्वामी रामदेव सेहो एहि काज मे लागल छथिन्ह. उद्योगपति... लोक सभ सं मिलि कs राहत के लेल पाई...सामान भेजवा रहल छथिन्ह. प्रियागोल्ड बिस्किट वाला एक ट्रक बिस्किट भेजय के बात कहलखिन्ह अछि. एहना आगां आबय के जरूरत अछि. आर्ट ऑफ लिविंग के श्री श्री रविशंकर जी सेहो जोर-शोर सं नहिं सिर्फ जुटल छथिन्ह बल्कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सम्पर्क मे सेहो छथिन्ह. श्री श्री रविशंकर जी मदद के शुरू मे दस करोड़ रुपया के राहत भेजबाक एलान कएलखिन्ह... आओर इहो कहलखिन्ह जे हुनकर लोक सभ अगिला किछ दिन मे चालीस करोड़ के राहत आओर मदद केर सामान मिथिला केर बाढ़ि प्रभावित इलाका मे भेजथिन्ह. आर्ट ऑफ लिविंग सं जुड़ल लोक सभ एहि मे बढ़ि चढ़ि कs हिस्सा ल रहल छथिन्ह. मदद केर लेल पाई... कपड़ा-लत्ता... दवाई... पोलीथिन... मोमबत्ती... बिस्किट... खाय पिबय के सामान सभ के इंतजाम कs रहल छथिन्ह. हिनकर किछ लोक बाढ़ि प्रभावित इलाका मे अपन काज शुरू सेहो कs देलखिन्ह अ. दिल्ली मे आर्ट ऑफ लिविंग के ई पूरा काज के कोर्डिनेट कs रहल छथिन्ह संगीता जी... अहां हिनका सं फोन पर सम्पर्क कs सकय छी... हिनकर दिल्ली के नम्बर छनि +91-9811335074 अहां हिनकर पटना केर नंबर पर सेहो बात क सकय छी...SMS कs सकय छी.. हिनकर पटना केर नंबर अछि +91-94310-22020. अहां सभ अगर कोनो योगदान देबय चाहय छी त एहि पता पर सेहो भेज सकय छी.

VVKI Bihar Apex Body
A/c. No. 625905033075
ICCICI Bank

बाढ़ि केर मदद के लेल देल गेल मदद...पाई पर टैक्स केर छूट सेहो मिलत. एकर सार्टिफिकेट अहां के द देल जाएत.

No comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...