नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब महामारी केर खतरा बढ़ल

कोसी केर बाढ़िक पानि आब कम भs रहल अछि. मुदा खतरा अखन कम नहिं भेल अछि. फेर पानि आबय केर खतरा अखन बनल अछि. ओना पानि कम भेलाह सं पानि सं होय वाला बीमारी सभ पैर पसारय लागल अछि. उल्टी कै...दस्त...जॉंडिस...मलेरिया सभ के प्रकोप बढ़ि गेल अछि. डायरिया के कइटा मामला सेहो पता चलल अछि. मुदा अस्पताल आओर राहत शिविर केर हाल नीक नहिं अछि. डॉक्टर आओर दवाई दुनु केर कमी अछि. ओना सरकार के दावा अछि जे डॉक्टर आओर दवाई केर एतेक व्यवस्था अछि जे महामारी नहि फैलत. मुदा दवाई आओर डॉक्टर के व्यवस्था सभतर नहिं दिख रहल अछि. दूर दराज के इलाका मे त हाल आओर खराब अछि. बीच-बीच मे तेज गर्मी... भारी झमैटिगर पानि भेलाह सं हाल से खराब अछि. लोक बीमार भs रहल छथिन्ह. ककरो बुखार त ककरो डायरिया धइने अछि. ओना एनजीओ सभ सेहो डॉक्टर...दवाई भेज रहल छथिन्ह मुदा ओ सभ बेसि शहर मे छथिन्ह. राहत शिविर सेहो बेसि शहर मे लागल अछि. कई ठाम त फर्जी लोक सभ के राहत... सामान लेबय केर खबर सेहो मिलल अछि जाहि सं सही लोक के राहत नहिं मिलि रहल अछि. सही लोक तक सामान नहिं पहुंच पाबि रहल अछि. जे दवाई सामान आबि रहल अछि रास्ता मे फर्जी लोक सभ एकटा झूंड बना अपना के पीड़ित बता सामान लs लैत छथिन्ह. बाढ़िक अएला एक मास भs गेल. एतेक दिन कष्ट मे रहला... पानि मे रहला केर कारणे लोक के हाल ओहिना खराब अछि. जे किछ खा-पिब कs दिन गुजारि रहल छथिन्ह एहि मे अखन तक लोक के लेल राहत केर नीक सं व्यवस्था नहिं भेलाह सं लोक बेसि कमजोर भ रहल छथिन्ह आ बीमार पड़ि रहल छथिन्ह. पानि ठमकला सं सेहो पानि वाला कई तरहक बीमारी फैलि रहल अछि. पानि कम भेलाह सं नाव... मोटरवोट के चलनाय मे सेहो परेशानी आबि रहल अछि ताहि कारणे गाम घर दिस राहत सेहो नहि जा पाबि रहल अछि. सड़क... रेलक पटरी सेहो बहल अछि. कतहुं जाएल जाए त केना.

3 टिप्‍पणियां:

  1. hitendra ji, hum ekhan DD News me correspondent chi. hindi me hamar blog gustakh.blogspot.com achi kintu 2-3 din pahile hum maithili blog baneney chi ek nazae dekhab

    manjit

    जवाब देंहटाएं
  2. kafi achha likha hai aapne parntu kuchh ashudhhiyan hai use thik karne ki kosis karen.

    जवाब देंहटाएं
  3. Tara Chandra Gupta jee...bahut baut dhanyawad.. magar hindi aur maithili mein ek hee cheez alag alag tareeke se likhte hain...Hindi mein paanee...maithili mein paani ho jata hai...Hindi mein Naheen...maithini mein nahin hota hai...hindi mein MEIN...Maithili mein ME hota hai


    aabhar

    hitendra gupta

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु