नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़











दरभंगा के पहचान अगर किछ सं अछि... कोनो चीज सं अछि... त कहि सकय छी दरभंगा महाराज सं अछि... दरभंगा महाराज के भव्य महल सं अछि... राज कैम्पस सं अछि... कैम्पस मे बनल भव्य मंदिर सं अछि... महाराजक मूर्ति सं अछि... राज कैम्पस मे बनल दु- दु टा विश्वविद्यालय सं अछि. मुदा अहां के ई जानि क अचरज होएत जे दरभंगा के एहन भव्य रूप देबय वाला... राज कैम्पस के एहन रूप देबय वाला महाराजधिराजक मूर्ति सं आंखि निकालि लेल गेल अछि. एकरा अहां कि कहबय जे जिनका जिबैत लोक हुनका सम्मान मे आंखि तक नहिं उठाबैत छलाह... आई हुनकर मूर्ति सं आंखि तक निकालि लेल गेल अछि. एकरा अहां निकालि लेल गेल अछि नहिं बल्कि चोरि करि लेल गेल अछि कहि सकय छी. किएक त ई आंखि कोनो साधारण आंखि नहिं छल बेशकीमती पत्थर सं बनल छलि. हीरा...जवाहारात सं बेसि कीमती पत्शर सं. कहल जा रहल अछि जे अंतरराष्ट्रीय बाजार मे एहि एक आंखि केर कीमत एक करोड़ रुपया अछि.
दरभंगाक राज कैम्पस... दरभंगा महाराजधिराज केर शानोशौकत के निशानी अछि. एहि कैम्पस मे दरभंगा के पहिल महाराजधिराज पंडित महेश ठाकुर... दोसर महाराजा रामेश्वर सिंह आओर महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह केर प्रतिमा... मूर्ति लागल अछि. एहि तीनु मूर्ति सं बेशकीमती पत्थर सं बनल आंखि के निकालि लेग गेल अछि. तीन टा महाराजधिराज के मूर्ति छल आ तीनु मूर्ति सं आंखि निकालि लेल गेल अछि. आंखि निकालय के क्रम मे एकटा मूर्ति केर नाक सेहो तोड़ि देल गेल अछि. लोक सभ के कहनाय छनि जे आम लोक ई कि जानय गेलखिन्ह जे एहि आंखि केर एतेक कीमत अछि. ई सभ कोनो अंतर्राष्ट्रीय गिरोह केर साजिश अछि.
बड़ सावधानी सं एकरा निकालल गेल अछि. एकर जांच बड़का स्तर पर करबाक जरूरत अछि.
ई सिर्फ चोरि केर मामला नहिं अछि ऐतिहासिक विरासत केर अनदेखी के सेहो अछि.
जेना- जेना लोकसभ के एहि बात केर पता लगि रहल छनि मूर्ति के देखय के लेल भीड़ बढ़ि रहल अछि. लोक सभ एहि बात सं खूब गुस्सा मे छथिन्ह. चोरि केर बात सं पूरा दरभंगा केर लोक सन्न अछि. दरभंगा कि मिथिला सं जुड़ल सभ लोक सन्न छथिन्ह. सभ स बड़का गप्प ई कि प्रशासन के शुरू मे एहि बात केर कोनो खबरे नहिं छल. प्रशासन आब एहि खबर पर खोजबीन शुरू कs देलक अछि मुदा प्रशासन के लापरवाही सं ई तीनु बेशकीमति मूर्ति अपन आंखि सं महरूम भs गेल अछि.
(सहयोग:- अजय मोहन प्रसाद)

5 टिप्‍पणियां:

  1. Aai sa kichu saal pahine, Kameshwar Singh Sanskrit Vishwavidyala, sa bahut pracheen aur durlabh panduleepi sab chori bha gel chal. Tahina ek ber kichu upadravi tatwa sab sanskrit vishwavidyalay ke theek samne sthapit Maharajadhirajak Talwar todi dene rahai aur sambhavtah aai dher uprokta apradh mein shamil tatva sab nai dharal ja sakl. Jena aitba paryapta nai rahae, ta liye, aiber vishwavidyalay parisar mein sthapit moorti sab sa aankhi chora lel gel. Aab aei se besi durbhagyak gap ki bha sakaiyei ke ber ber ahen ghatna bhela ke bawjood prashashan nai chetaiye. Atyadhik kashta aur akroshak vishay aich. Ghatna ke jaanch kuno neek agency se hebak chahee aur je kio aie apradh mein shamil chaith hunka saja hebak chahee. Tai sa besi jaroori kaj ee ki poora vishwavidyala parisar ke suraksha vyavastha chusht durusht ka deabk chahee. Parisar ke sab gate par guard aur checking point laga debak chahee.

    MANORANJAN KUMAR JHA
    INDIRA VIHAR
    DELHI

    जवाब देंहटाएं
  2. Rakesh Jha ( LagmaBathai Darbhanga ) - This is really sad as Darbhanga is from a very few district which have still memories of Raja's time in world wide.also these murties giving the tradittion idea about our culture this muty is Historical things.so i think still we have time to wake-up to prevent these kind of rediculas timely bad happenings we must be alert if govenment is not bother about the same problem...

    Aaje manal jya ki aay chori main kona bahrak lok ke haath chai takhno E chori bina apan lok ke madat s sambhav nai achi. Hamar Apan samaj se apeel achai je pls ehen chori dubara nay hobya tay lel jagrook rahu.Mahal Campus Main chori kai ber bhel chai tyan apne k log sirf jagrook rahu ta chor apne aap pakda jatay.

    जवाब देंहटाएं
  3. Nawal Varsh ke upalakshya me samast maithil ke hamar premalipta pranam.............Dr.P.K.MISHRA,RAILWAY HOSPITAL,SONPUR,BIHAR Hello...09771429503

    जवाब देंहटाएं
  4. E EK TA NEEK LEKH LAGAL MUDA SANG SANG DUKHO BHEL ,JE APPAN KALA KE SANG CHED CHAD KARE WALA LOG NEEK NAIN HETAI. YAH T AAB BEACH GEL AHAI. PURAN SANSKRITI KE DHAROHER.
    EAI LEKH KE PAIDH K BADD DUKH BHEL.



    APNEK
    CHANDAN KISHOR JHA
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं
  5. E EK TA NEEK LEKH LAGAL MUDA SANG SANG DUKHO BHEL ,JE APPAN KALA KE SANG CHED CHAD KARE WALA LOG NEEK NAIN HETAI. YAH T AAB BEACH GEL AHAI. PURAN SANSKRITI KE DHAROHER.
    EAI LEKH KE PAIDH K BADD DUKH BHEL.



    APNEK
    CHANDAN KISHOR JHA
    DARBHANGA

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु