नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला समाद


मिथिला समाद... मैथिली दैनिक. कोलकाता सं निकलय लागल अछि. संपादक छथिन्ह ताराकांत
झाजी. मुद्रक छथिन्ह राजेन्द्र नारायण वाजपेयी जी. शुरू मे दस पेज मे निकलय वाला ई मिथिला समाद दु रुपया मे मिलि रहल अछि. ई अखबार एक सितम्बर सं निकलय के शुरू भेल अछि. एहि सं पहिने पटना सं मिथिला मिहिर आओर दरभंगा सं दैनिक स्वदेश निकलैत छल मुदा चलि नहिं सकल.
दैनिक अखबार निकलि रहल अछि ई खुशी केर गप्प अछि मुदा तीन करोड़ सं बेसि मैथिल मिथिला मे आ दैनिक अखबार निकलि रहल अछि कोलकाता सं... ई कनि दुखक गप्प अछि. कि हम सभ दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... सहरसा... पूर्णिया... सीतामढ़ी... मधेपुरा सं मैथिली के कोनो अखबार नहिं निकालि सकैत छी ? ओना ई अखबार चलैत रहय एहि के लेल सभ बड़का शहर मे एकर ब्यूरो बनाएल गेल अछि. संवाददाता राखल गेल अछि. संगहि संग ईहो ध्यान मे राखल जाय जे ई अखबार मिथिला सं बाहर रहय वाला मैथिल लोकनि केर ध्यान मे राखि कs निकालल गेल अछि. एहि लेल अहां सभक सहयोग जरूरी छै. अहां सभ एहि मिथिला समाद के डाक सं सेहो मंगा सकैत छी. अहां सभ एहि अखबार सं जुड़ि सेहो सकैत छी. अपन विचार... लेख... आसपास केर समाचार भेजल करु. अहां सभ संपादक ताराकांत झा जीक पास अपन लेख... समाचार... समाद एहि आ ईमेल पर भेज सकय छी-

taajha@yahoo.co.in

आओर पता अछि.

Tarakant Jha.
Editor,
Mithila Samad,
C/o 32, Metcalfe Street,
Kolkata-13

फोन नम्बर अछि.
09748830170 आओर 033-22361572

ओना मैथिली मे एम्हर कइटा
ब्लॉग निकलि रहल अछि. समाद केर नाम सं पटना के किछ महिला सभ मैथिली मे ई - पेपर सेहो निकालि रहल छथिन्ह. मुदा ओकरा पढ़य मे किछ दिक्कत आबैत अछि. ओहि मे किछ सुधार के जरूरत अछि. जहि सं कि ई बेसि लोकप्रिय भs सकय.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु