नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सहारा इंडिया मीडिया-बिहार रिलीफ फंड


कोसी बाढ़ि पीड़ित केर मदद के लेल दुनिया भर के लोक सभ अपना अपना स्तर सं काज कs रहल छथिन्ह. लोक सभ बेसि सं बेसि राहत...मदद जुटा सकथिन्ह एहि लेल चंदा सेहो जुटा रहल छथिन्ह. उद्योगपति...दफ्तर मे काज करय वाला लोक सभ सं मदद के लेल पाई...सामान जुटाबय मे लागस छथिन्ह. एनजीओ केर लोक सभ सेहो अपना तरहे मदद मे जुटल छथिन्ह. एहि क्रम मे पटना केर किछ कलाकार सभ सड़क पर देशभक्ति केर गीत गाबैत लोक सभ सं चंदा जमा कएलथिन्ह. पटना आओर दोसर  शहर मे लोक सभ घुमि-घुमि कs पाई...कपड़ा... दवाई आओर अनाज जमा कs रहल छथिन्ह. जमा कएला केर बाद एकरा मुख्यमंत्री कोष मे जमा कs देल जाएत अछि.


ई त भेल आम लोक सभ केर गप्प.  मीडिया...पेपर अखबार...न्यूज चैनल केर लोक सभ सेहो जोर शोर सं मदद अभियान मे लागल छथिन्ह. एहि के लेल सहारा इंडिया परिवार के ओर सं चलाएल जा रहल सहारा समय चैनल के लोक सभ सेहो जुटल छथिन्ह. बाढ़ि पीड़ित केर मदद के लेल सहारा समय सहायता कोष बनाएल गेल अछि. अगर अहां मदद करय चाहय छी त अपन पाई चेक या डीडी के मार्फत भेज सकय छी. चेक या डीडी... 
सहारा इंडिया मीडिया-बिहार फ्लड रिलीफ फंड,

अकाउंट नं- 1251301110952 के नाम सं बना सकय छी. चेक ...डीडी बनएला केर बाद अहां एकरा एहि पता पर भेज दिअ :-
सहारा इंडिया मीडिया-बिहार फ्लड रिलीफ फंड, C-2/3/4, Sector-11, Noida-201301, Uttar Pradesh.


Ch/DD पर लिखु


SIM-Bihar Flood Relief Fund

A/c-1251301110952


 पता  एक बेर फेर...


Sahara India Media-Bihar Flood Relief Fund

C-2/3/4, Sector-11, 

Noida-201301, 

Uttar Pradesh.





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु