नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Nalanda Open Uni. Study Centre Darbhanga me

नालंदा मुक्त विश्वविद्यालय....Nalanda Open University केर अध्ययन केन्द्र दरभंगा मे सेहो खुलि गेल अछि. अध्ययन केन्द्र एमएआर संस्कृत कॉलेज मे खुलल अछि. एहि अध्ययन केन्द्र... स्टडी सेंटर मे बीएड के छोड़ि सभ विषयक पाठ्यक्रमक लेल एडमिशन शुरू भ गेल अछि. एहि ठाम अहां 91 पाठ्यक्रम के लेल एडमिशन करा सकय छी. ओपेन यूनिवर्सिटी मे नालंदा ओपेन यूनिवर्सिटी के फीस सभस कम अछि. एकर संग एहि यूनिवर्सिटी के एकटा बड़का गप्प ईहो अछि जे एहिठाम महिला सभ के फीस मे 25 प्रतिशत के छूट सेहो मिलैत अछि. चूंकि ई स्टडी सेंटर संस्कृत कॉलेज मे खुलय अछि ताहि लेल संस्कृत केर विद्यार्थी सभ सेहो व्यावसायिक पाठ्यक्रम मे नाम लिखा फायदा उठयताह. एहि विश्वविद्यालय के स्टडी सेंटर मुजफ्फरपुर... मोतिहारी... सीवान... बेतिया आओर समस्तीपुर मे पहिने सं अछि. दरभंगा मे इंदिरा गांधी नेशनल ओपेन यूनिवर्सिटी... IGNOU के स्टडी सेंटर सेहो अछि.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु