नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

छा गेल महुआ... Chhaa Gel Mahua


एहि मास के 11 तारीख के लांच भोजपुरी के पहिल चैनल ' महुआ ' छा गेल अछि. यूपी... बिहार के तs गप्प छोड़ु दिल्ली... मुम्बई या बाहर रहय वाला भोजपुरी... मैथिली भाषी लोकक बीच ई धूम मचा देने अछि. भोजपुरी के पहिल चैनल होए के फायदा एहि चैनल के जमि के मिलि रहल अछि. ई बात नहिं छै जे सिर्फ भोजपुरी भाषा के जानय वाला लोक सभ देखि रहल छथिन्ह. एहि चैनल के यूपी... बिहार आओर एतय के बाहर रहय वाला दोसर भाषा के लोक सभ सेहो खूब चाव सं एकर कार्यक्रम सभ के आनंद लs रहल छथिन्ह.
ओना हिन्दी जानय वाला लोक सभ के भोजपुरी जानय मे बेसि दिक्कत नहिं होय छन्हि... किएक तs भोजपुरी फिल्म के लs क लोक सभ मे भोजपुरी पहिने सं बड़ लोकप्रिय अछि. मुम्बइया मायानगरी मे बनल भोजपुरी फिल्म खूब हिट सेहो रहल अछि आ पाई सेहो खूब कमाएल अछि. एहि लs क कहि सकय छी जे भोजपुरीके बाजार पहिने सं छल मुदा एकर पहचान नहिं भेल छल आ सेहो कहि सकय छी जे एकर कोई गोटा फायदा नहिं उठयलाह. महुआ लांच करय लेल महुआ मीडिया प्राइवेट लिमिटेड के प्रबंध निदेशक पीके तिवारी जी धन्यवादक पात्र छथिन्ह. हुनकर अथक प्रयास सं ई चैनल समय पर आबि गेल. एकटा नवका बाजार मे घुसय के हिम्मत करय लेल हिनका जतेक बघाई देल जाए कम होएत. किएक तs एकटा चौबीसों घंटा वाला चैनल चलानाय कोनो हंसी -मजाकक चीज नहिं अछि. करोड़ों रुपया खर्च होए छै. एहि चैनल पर शुरुआती तौर पर करीब 75 करोड़ रुपए खर्च भेल अछि. पीके तिवारी जी उत्तर प्रदेश के गाजीपुर सं छथिन्ह आ 1986 मे एकटा फिल्म न्यू दिल्ली टाइम्स सेहो बना चुकल छथिन्ह.
महुआ चैनल यूपी... एमपी... बिहार... झारखंड... उत्तराखंड... दिल्ली आओर देश- विदेश मे रहय वाला करीब 20 करोड़ लोक के टार्गेट कs शुरू कएल गेल अछि. अगर चैनल एहि टार्गेट वर्ग के अपना दिस लाबय मे सफल रहैत अछि तs ई एकटा बड़का गप्प होएत. ओना जेहि हिसाब सं अखन एहि चैनल सं लोक जुड़ल अछि ओहि सं लगैत अछि जे एहि टार्गेट के पूरा कए लेल जाएत. मुदा एहि के लेल समाचार सं लs क प्रोग्रामिंग तक सभ ठाम कसावट जरूरी अछि. कार्यक्रम जतेक कसल रहल ओतेक लोक जुड़ल रहत आओर लोक एहि सं जुड़ल रहय... दर्शक बनल रहय एकरा लेल कार्यक्रम मे रोचकता बनल रहय ई जरूरी अछि. लोक महुआ सं केना बान्हल रहय ई हिनका सभ के सोचय पड़तन्हि. बीचबीच मे सर्वे करा लोकक पसंद...नापसंद के जानय के कोशिश करय पड़तन्हि. ओना अखन एकर समाचार... कार्यक्रम... गीत संगीत... भोजपुरी फिल्म... धारावाहिक सभ नीक लगि रहल अछि. भ सकय अछि जे अखन नव होय के कारण लोक सभ उत्सुकतावश बेसि देखय होयथिन्ह. मुदा अगर सभ किछ नीक रहत... कार्यक्रम के गुणवत्ता नीक होएत.. प्रोडक्शन उच्च स्तरीय रहत तs लोक जुड़ल रहताह. एहि के लेक लोकक भागीदारी वाला कार्यक्रम सभ सेहो शुरू करय के जरूरत अछि जाहि सं बेसि सं बेसि लोक सीधातौर पर चैनल सं जुड़ि सकथिन्ह.. चाहे ओ फोन... ईमेल आ टॉकशो सं होय.
ई जरूर छै जे भोजपुरी चैनल बाजार मे पहिल चैनल होए के फायदा महुआ के मिलि रहल छै... मुदा चैनल के अपना तेवर बना कs रखय के जरूरत छै... ओहि मे आओर पैनापन... धार लाबय के जरूरत अछि. कनि ठंडयलौं क पाछां भs जाएब आओर दर्शक घसकनाय शुरू भs जाएत. किएक तs लाइन मे कएटा आओऱ चैनल अछि. जल्दीए दुटा आओर भोजपुरी चैनल आबय वाला अछि... हमार टीवी आओर गंगा टीवी. एकटा म्यूजिक चैनल सेहो आबय वाला अछि. भोजपुरी के एकटा म्यूजिक चैनल संगीत भोजपुरी त आबिओ चुकल अछि. महुआ के खुद अलग सं न्यूज़... फिल्म आओर म्यूजिक चैनल लाबय के विचार छै. भs सकय अ दीपावली तक हिनकर एकटा आओर चैनल लांच सेहो भs जाए. हमार टीवी... पॉजीटिव टेलीविजन लिमिटेड .... नॉर्थ ईस्ट टीवी (एनईटीवी) लsक आबि रहल अछि. ई कांग्रेस नेता मतंग सिंह जी के छनि. हमार टीवी के कामकाज देख रहल छथिन्ह कुमार संजॉय सिंह. कुमार संजॉय सिंह एहि सं पहिने एनडीटीवी आओर आजतक सं जुड़ल छलाह. जखन कि गंगा टीवी के प्रमुख छथिन्ह एस एन विनोद. विनोदजी कइटा पेपर जुड़ल रहल छथिन्ह.
चलु जे होय भोजपुरी त आबि गेल... आबिए नहिं गेल छा गेल. मिथिला आओर मिथिला सं बाहर रहय वाला मैथिल लोक सभ सेहो मैथिलीक चैनल नहिं होबाक कारणे एकरे आनंद लs रहल छथिन्ह. मैथिली मे चैनल के सेहो जरूरत अछि. आब देखल जाए जे कोन गोटा एकर भार अपना कंहा पर लै छथिन्ह. ओ ना हमरा सभ सं जहिआ कोनो तरहक मदद के जरूरत होए हम तैयार छी. मैथिली मे आधा घंटाक बुलेटिन के संग सहारा समय बिहार झारखंड के तरफ सं नीक प्रयास भेल रहय मुदा आब ई बंद भ गेल अछि. ओना नेपाल वन...टीवी लाइव पर सांझ मे मैथिलीक कार्यक्रम जारी अछि आओर अपन ओमजी खूब नीक एंकरिंग कs रहल छथिन्ह. त अपन भाषा मे सेहो कार्यक्रम आओर समाचारक आनंद लिअ. हम चलय छी. जय जय राम... जय श्री राम.




4 टिप्‍पणियां:

  1. maithili me ehan channel nahi khujat.

    sahara me samay mithilanchal bann bha gel ki? bar nik karykram hoit chhal, pher shuru karu ne.

    जवाब देंहटाएं
  2. bahut nik lagal ahank news collection aa parstuti.

    Dhanyabad

    Ashutosh Choudhary
    Silvassa(D&NH)
    +919825111656

    जवाब देंहटाएं
  3. aab maithili news channel ker taiyari karee.GOPAL PRASAD.CHIEF CO-ORDINATOR,WWW.mithilavihar.com.09313661375,09211309569

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु