नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा में हाईकोर्ट बेंचक मांग

दरभंगा मे पटना हाईकोर्टक बेंच बनाबय केर मांग जोर पकड़य लागल अछि. बार काउंसिल ऑफ इंडिया के ओर सं एकर मांग कएल गेल अछि आओर एकरा लेल अधिवक्ता सभ सं एकजुट होए प्रयास करय लेल कहल गेल अछि. दरभंगा बार एसोसिएशनक बैठक मे बार काउंसिल ऑफ इंडिया के अध्यक्ष सूरज नारायण प्रसाद सिन्हा के कहनाय छलन्हि जे उत्तर बिहार मे हाई कोर्ट के एकटा बेंच होनाय एकदम जरूरी अछि. अखन उत्तर बिहार के दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... सीतामढ़ी... शिवहर... सहरसा... सुपौल... खगड़िया... पूर्णिया... बेगूसराय... अररिया...किशनगंज... कटिहार जिला के लोक के पटना जाय पड़ैत अछि. अगर दरभंगा मे बेंचक स्थापना होएत अछि तs एहिठामक लोक के समय तं बचबे करत सस्ता सुविस्ता न्याय सेहो मिलत. बेसि दौड़ धूप नहिं करय पड़त.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु