नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बाढ़ि राष्ट्रीय आपदा... Baarhi Rashtriya Aapda


बाढ़ि राष्ट्रीय आपदा


बिहार मे आएल बाढ़ि के राष्ट्रीय आपदा घोषित कs देल गेल अछि. एकर घोषणा प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी कोसी सं बाढ़ि प्रभावित इलाका सहरसा... सुपौल... मधेपुरा आओर अररिया के दौरा कएला के बाद कएलथिन्ह. प्रधानमंत्री के कहनाय छलन्हि जे हालात सच मे बड़ खराब अछि. आपदा के एहन स्थिति मे केन्द्र बिहार के संग अछि आओर जरूरत पड़ला पर केन्द्र हर संभव मदद देबय लेल तैयार अछि. प्रधानमंत्री राज्य के एक हजार करोड़ रुपया के आर्थिक मदद देबय के घोषणा सेहो कएलथिन्ह. एहि के संग श्री मनमोहन सिंह जी के कहनाय छलन्हि जे बिहार के तुरंत सवा लाख टन अनाज सेहो देल जाएत. ई सभ शुरुआती मदद अछि. बाढ़िक आकलन कएला के बाद केन्द्र के तरफ सं आओर मदद देल जाएत.
एहि सं पहिने प्रधानमंत्री बाढि प्रभावित इलाका के हवाई सर्वेक्षण कएलथिन्ह. हुनका संग यूपीए अध्यक्ष सोनिया गांधी सेहो छलखिन्ह. प्रधानमंत्री आओर सोनिया गांधी के संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार... रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव...रसायन आओर उर्वरक मंत्री रामविलास पासवान...
केंद्रीय जल संसाधन मंत्री जयप्रकाश नारायण यादव आओर पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सेहो हवाई सर्वेक्षण मे शामिल छलखिन्ह.
हवाई सर्वेक्षण मे शामिल केंद्रीय गृहमंत्री शिवराज पाटिल के कहनाय छलन्हि जे एहन समय मे सभ के मिलि के काज करबाक चाही जाहि सं बेसि सं बेसि लोक तक राहत पहुंच सकय. मुदा सरकार... प्रशासन केर सामने सभस बड़का चुनौती कई दिन सं बाढ़ि मे फंसल लोक तक राहत सामान पहुंचचाबय के अछि. खाय पिबय के पैकेट बांटल जा रहल अछि मुदा ई सभ बाढ़ि पीड़ित तक नहिं पहुंच पाबि रहल अछि.

2 टिप्‍पणियां:

  1. media se jural bihar ke log se anurodh je ekta manch bana ka apan ek din ke vetan da ka apna taraf se kichu sahyog kail jai.

    vinay kumar
    sub editor, rashtriya sahara, noida
    mob no. 9717412049

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु