नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गरीब रथ के चलय में विलंब

गरीब रथ के आब 20 तारीख सं चलय के उम्मीद अछि. पहिने ई ट्रेन 10 जुलाई सं चलय वाला छल. मुदा केंद्र में राजनीतिक उठापटक के कारण एकर चलनाय टालि देल गेल. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव अखन मनमोहन सरकार के बचाबय में जुटल छथि. लालू जी अखन नीक काज कs रहल छथि आओर बिहार के लेल तs हुनका अखन केंद्र में मंत्री बनल रहनाय जरूरी अछि. आब अगर सभ किछ नीक रहल तs 20 जुलाई सं चलनाय शुरू करत. रेल चलाबय के सभ तैयारी करीब करीब पूरा भs गेल अछि. जयनगर... मधुबनी के लोक के लेल एकटा आओर नीक खबर ई अछि जे इंटरसिटी एक्सप्रेस आब जयनगर सं खुलत. पटना... दानापुर तक जाय वाला ई एक्सप्रेस रवि छोड़ि सभ दिन चलत. ई ट्रेन जयनगर सं दिन में 10 बजे खुलय के उम्मीद छै. आगां देखिऔ कि टाइन राखल जाय छै.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु