नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जानकी एक्सप्रेस दु जुलाई सं

मिथिलांचल आओर कोसी क्षेत्र के जोड़य वाला जानकी एक्सप्रेस एक बेर फेर सं दौड़नाय शुरू करत. दु जुलाई के रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव सहरसा में झंडा दिखाs एकरा जयनगर लेल रवाना करथिन्ह. जयनगर आओर सहरसा के बीच चलय वाला जानकी एक्सप्रेस में छहटा सामान्य, तीनटा स्लीपर, एकटा थ्री टीयर एसी कोच होएत. ओना अखन ई ट्रेन सप्ताह में तीने दिन चलत बाद में एकर फेरा बढ़ाएल जाएत. जानकी एक्सप्रेस पहिने सेहो चलैत छल मुदा बीच में बंद भs गेल छल. मुदा बड़ी लाइन बनला के बाद एकरा फेर सं चलाबय के मांग जोर पकड़य लागल. जकरा देखि रेल मंत्री जानकी एक्सप्रेस के फेर सं चलाबय के निर्णय लेलखिन्ह. एहि सं इलाका के लोक सभ के बड़ फायदा होएत. जयनगर सं दरभंगा समस्तीपुर के बीच चलय वाला लोक सभ के सेहो सुविधा होएत. अखन ट्रेन कम होय के कारण आबय- जाय में बड़ दिक्कत होएत अछि. जानकी आओर किछ दिन बाद गरीब रथ शुरू भेला सं राहत मिलत. उम्मीद अछि जे जयनगर सं दिल्ली ( निजामुद्दीन ) के बीच चलय वाला गरीबरथ एक्सप्रेस के सेहो जल्दीए शुरू कएल जाएत. कोशिश तs एहि महीना सं चलाबय के छै. देखिऔ की होएत छै. ओना दु तारीख सं सहरसा - अमृतसर के बीच चलयवाला जनसाधारण एक्सप्रेस के सेहो झंडा दिखाs कय रेलमंत्री रवाना करताह.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु