नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लकीर सं किछ अलग

यूपीएससी केर रिजल्ट निकलल... आईआईटी केर निकलल. यूपीएससी में टॉप टेन में अपन दरभंगा... मिथिलांचलक नंदकुमार झा अएलाह. आईआईटी में पटना केर शितिकांत पूरा इंडिया में टॉप कएलाह. सुपर 30 के 30 के 30 छात्र आईआईटी में आबि गेलाह. एकर संग बैंकिंग होय... एसएससी होय आ दोसर कोनो कंपिटीशन... बिहारक छात्र सभ नीक रिजल्ट लाबैत छथि. ई सभ देखि...सुनि नीक लागैत अछि. मुदा आब समय आबि गेल अ जे अपन बिहार के... मिथिलांचल के लोक सभ के लकीर सं कनि हटि के सोचय पड़त. लकीर सं कनि हटि के चलय पड़त.
आब समय आबि गेल अछि जे बनल बनाएल लकीर सं कनि हटि के चलय पड़त. कनि हटि के चलि... नव -नव प्रयोग करि. नव-नव रास्ता निकालि छिपल खजाना के खोजय पड़त. अखन तक आबि रहल परम्परा के तोड़ि एकटा नव पहचान बनाबय पड़त. आओर जे किछ नव करैत छथि बाजार में... दुनिया में हुनके धाक चलय छै. एकरा लेल अहां टाटा... बिरला ... अंबानी सं लsक बयानी तक के उदाहरण लs सकय छी. अगर लीक पर चलब तs ओतय पहुंचब जतय दोसर पहुंचल छै. लीक सं हटि कs किछ नव कय सकय छी...अपन अलग पहचान बना सकय छी. चाहे उ एयरटेल के मित्तल जी होताह आ पीवीआरक अजय बिजली या मशहूर बिल्डर हीरानंदानी . ई सभ लोकनि किछ अलग कएला के बादे आई एहि पॉजिशन पर छथिन्ह. बिना जोखिम लेने काज नहिं चलत. किछ अलग करय के आनंदे किछ आओऱ छै. हमर गाम के एकटा लड़का दिल्ली में बहुत दिन एम्हर-ओम्हर कइटा काज कएला. मन नहिं लगलन्हि. आखिर ओ कंपनी सभ में सिक्योरिटी देबय के काज शुरू कएलाह. आई हुनकर दिल्ली एनसीआर में सैकड़ों गार्ड कइटा कंपनी... होटल... मॉल में लागल अछि. लाखों रुपया के कारोबार कs रहल छथिन्ह. जोखिम केर संग- संग किछ संतोष... सब्र सेहो राखय पड़य छै. कनि नुकसान सं हारि कs अगर बैसि गेलहुं तs काज नहिं चलत. उठु आओर चलि पडु.
एहने एकटा कहानी छन्हि अंकुर वैद ... सौरभ शाह आओर मिशल रहेजा के. एक दिन ई तीनु दोस्त पब में बैसल छलाह कि देखय छथिन्ह कइटा एहन लोक छथिन्ह जे खूब पी लेने छथिन्ह आओर हुनका घर लs जाय वाला कोनो लोक नहिं छनि. एहन कइ बेर होय छै. भs सकय अ अहां सभ के सेहो कई बेर एहन दृश्य देखय के लेल मिलल होयत मुदा ई तीनु दोस्त ओहि दिन फैसला कएला जे एकटा एहन सर्विस शुरू कएल जाय जाहि में पब में एकसरे बैसल लोक के... पी कs बहैक गेल लोक के... आ ओहन लोक जे बैसि पी लेला के बाद गाड़ी नहिं चला सकय छथि हुनका घर तक पहुंचाबय के काज करल जाय. आई हिनकर धंधा हिट छनि.
आई सं बीस साल पहिने दरभंगा में एकटा सर्विस शुरू भेल छल गैस घर पहुंचाबय के... बिल जमा करय के. ओहि टाइम में गैस के बड़ किल्लत रहय छल आओर गैस के लेल कई बेर दौड़य पड़ैत छल. एहि में सर्विस वाला के निश्चित रकम दs देला पर ओ गैस के बुकिंग करानाय सं लs कs गैस के घर तक पहुंचाबय के काज करैत छल. आई -काल्हि की हाल छै नहिं मालूम मुदा ई दिल्ली- मुम्बई जैसन शहर में काफी चलि रहल छै. मेट्रो शहर में इजी बिल के नाम सं कई दोकान पर बिल जमा होइ छै.
एकटा उदाहरण मधुबनी जिला के अछि. एहि ठाम के एकटा राय जी मुम्बई गेलाह काज के तलाश में. मुदा काज में बड़ दिक्कत देखि ओ फिल्मी दुनिया में... फिल्म सिटी में निर्माता... निर्देशक... फाइनैंशर सभ के सामान पहुंचाबय के काज शुरू कs देलाह. हर फिल्म के लेल ऑडियो... लाइटिंग... घोड़ा गाड़ी सं लs कs खाना पीना तक सप्लाई करय पड़य छै. ओ धीरे-धीरे एहि में हाथ जमाबैत गेलाह आई हुनकर धंधा खूब चमैक रहैल छनि.
आई काल्हि आईटी... बैंकिंग... बीमा... पर्यटन... रिटेल सर्विस... आउटसोर्सिंग... मीडिया... डिजाइनिंग... फैशन. आओर स्वास्थ्य क्षेत्र सं जुड़ल काज में अपन पैठ बना सकय छी. आबय वाला दिन एहि सभ के रहत. एहि सभ में किछ नव प्रयोग कs... नव चीज ला मार्केट पर पकड़ बना सकय छी. शुरू में कनि दिक्कत परेशानी जरूर होयत मुदा हिम्मत सं काज लैत आगां बढैत रहब त रास्ता खुद ब खुद बनैत जाएत. अपन आस पास नजर दौड़यला पर एहि तरहक हजारों अवसर देखाय पड़त. जरूरत छै तs ओकरा पहचानि... ओकरा पकड़ि पूरा उत्साह... उमंग...जोश के संग काज शुरू करय केर. सभसं बड़का जरूरत छै खुद पर विश्वास ...भरोसा होबाक चाही जे हम ई काज कs सकय छी. हम एहि काज में सफल होयब आओर छोट छिन परेशानी सं हताश नहिं होयब. तs सरकारी नौकरी सं अलग किछ करय लेल आई ए सं जुटि जाउ.


1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु