नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

तीन सालक आरोपी

दरभंगा सं एकटा खबर अछि. बहेड़ी थाना में ओना तs मामला दर्ज होएते रहैत अछि मुदा एक मामला में एहन आरोपी के नाम दर्ज छै जे आरोपी शब्द के मतलबों नहिं जानैत अछि. बहेड़ी थाना में पिछला दिन मारिपीट के एकटा मामला दर्ज करल गेल. आरोपी में ओना कइटा नाम छै मुदा अहां के ई जानि कs अचरज होएत जे एहि में एकटा नाम तीन साल के नुनु के छै. आब ई तीन साल के नुनु अजय ककरा सं मारि पीट करत ! एकर साफ मतलब अछि जे मामला दर्ज करय गेल पुलिस मामला के नीक सं जांच पड़ताल नहिं करलक आ जेना लोक कहलक लिख लेलक. उ तs जखन मामला अदालत पहुंचल तखन पुलिस के भूमिका पर सवाल उठावल गेल. मुदा पुलिस अपन गलती मानय लेल तैयार नहिं अछि. अफसर सभ सेहो पुलिस के बचाबय लेल बहाना बना रहल छथिन्ह. मामला के जे होय पुलिस के एकटा छोट-छिन्ह गलती के लेल तीन साल के अजयक पिता संतोष मल्लिक दरभंगा कोर्ट में चक्कर पर चक्कर लगा रहल छथिन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु