नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी पेंटिंग के शिक्षा

महिला सभ के आत्मनिर्भर बनाबय लेल एकटा सार्थक कदम उठाएल गेल अछि. मिथिला में जतय उद्योग- घंधा आ नौकरी के विशेष अवसर उपलब्ध नहिं अछि. मिथिला पेंटिंग रोजगार के लेल एकटा नीक विकल्प भs सकैत अछि. दुनिया अखन मिथिला... मधुबनी पेंटिंग के दीवाना बनल अछि. एहि मौका के बेसि सं बेसि फायदा उठाबय के जरूरत अछि. रेल मंत्री लालू यादव सेहो संसद में घोषणा कए देने छथिन्ह जे देश के प्रमुख स्टेशन आओर रेल डिब्बा में मधुबनी पेंटिंग के लगाबल जाएत. एकरा लेल पैघ स्तर पर पेंटिंग्स के जरूरत पड़त. त भs जाउ तैयार मौका के फायदा उठाबय लेल. एहि दिशा में अगर कहल जाए तs नीक कोशिश शुरू भेल अछि मधुबनी, पंडौल सं. पंडौल के पास गाम- घर के महिला सभ के लेल मधुबनी पेंटिंग्स के माध्यम सं पाइ कमाबय के प्रशिक्षण कार्यक्रम शुरू कएल गेल. शुरू में एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम सं 30 महिला के जोड़ल गेल अछि. महिला के आत्मनिर्भर बनाबय लेल ई एकटा पैघ कदम अछि. ई कार्यक्रम सर्वोप्रयास संस्थानक तरफ सं शुरू कएल गेल अछि . प्रशिक्षण दु माह तक चलत. जकर बाद 10 टा महिला के चयन कएल जाएत आओर हुनका सभ के मार्केटिंग आओर विशेष प्रशिक्षण देल जाएत.

1 टिप्पणी:

  1. shri man
    apne lokn ka jea netha chaat she shirf anphar gabar loag k nokri detchat agar anphar loag mastar bangelat
    ta bcha kata sa sekchat hat or apnaa mithala mea bahut loag prhal
    likhal ache lekin hunka koe dekhe
    bala nechan eduware kee hunkha koa netha jante ne chan bas bahout likhanu thanks

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु