नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा में किसान मेला

दरभंगा में किसान मेला के आयोजन भs रहल अछि. किसान मेला आयोजन करय के फैसला बिहार सरकार के अछि. किसान मेला दरभंगा के संग राज्य के राज्य के तीन आओर मंडल में कएल जाएत. मेला के आयोजन अगिला महीना दरभंगा के संग पटना, भागलपुर आओर पूर्णिया में होएत. मेला सात जून से शुरू होयत. किसान मेला के मार्फत सं बिहार सरकार किसान भाई लोकनि के कृषि...खेतीबारी सं जुड़ल नव- नव जानकारी देबय जाहय छथिन्ह. एहि ठाम किसान भाई लोकनि के खेतीबारी के आधुनिक उपकरण सभ के देखय... जानय के मौका मिलत. एहि ठाम लोकक के कृषि वैज्ञानिक सभ सं खेती के बारे में राय मशविरा करय के मौका सेहो मिलतन्हि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु