नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

निश्चलानंद सरस्वती दरभंगा में

पूरी पीठ के शंकराचार्य स्वामी निश्चलानंद सरस्वती जी महराज 20 जून के दरभंगा आबि रहल छथिन्ह. ओ दरभंगा में 21 जून के स्वामी विवेकानंद कैंसर अस्पताल के भूमि पूजन में शामिल भs लोक सभ के आशीर्वाद देथिन्ह. पीठ परिषद के लोक सभ हुनकर आगमन के तैयारी में जोर शोर सं जुटल छथिन्ह. शंकराचार्य जी महराज 22 जून के कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति डॉ जयंत मिश्र जीक रचित युगल श्री गीति मालिका ग्रन्थक लोकार्पण करथिन्ह. ओ 23 तारीख के दरभंगा महाराज जीक जन्मभूमि हरिपुर बक्शीटोल में में शंकराचार्य द्वार के उद्घाटन करताह. एहि दिन हुनकर एकटा कार्यक्रम कलुआही हाईस्कूल में सेहो छनि. एहि ठाम ओ रामसेतु रक्षार्थ आमसभा के संबोधित करथिन्ह. 24 ताऱीख के मधुबनी में रहताह. एकर बाद 25-26 जून दु दिन महिनाम में हिनकर प्रवचन छनि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु