नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कटिहार जोगबनी बड़ी लाइन

कटिहार जोगबनी रेलखंड पर बड़ी लाइन बनाबय के काज भs रहल अछि. काज अखन पूरा नहिं भेल अछि मुदा कई ठाम प्लेटफॉर्म धंसि गेल अछि त कई ठाम प्लेटफार्मक मकान में दरार पड़ि गेल अछि. फारबिसगंज प्लेटफ़ॉर्म बनतहिं धंसि गेल. अररिया स्टेशनक मकान में दरार पड़ि गेल तs पूर्णिया के प्लेटफॉर्मक सीढ़ी टूटि गेल. ओना एकर सभक मरम्मतक काज चलि रहल अछि मुदा निर्माण काज चलतहिं एकरा सभमें दरार पड़ला आ टूटला सं एकर गुणवता पर सवाल उठय लागल अछि. लोक सभ में सेहो गुस्सा छै. फारबिसगंज में तs रेलवे अधिकारी के घेराव सेहो कएल गेल. मिथिला के एहि इलाका के विकास के लेल रेल के बड़का योगदान अछि. मुदा एकर निर्माण काज में अगर कोनो तरहक कोताही बरतल गेल तs ओ खतरनाक साबित भs सकैत अछि. एहि के लेल एहिठाम लोक के जागरूक होबय के जरूरत अछि. काज पर नजर रखय के जरूरत अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु