नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली पर्व

करीब एक मास तक अहां सभ सं गप्प नहिं भ सकल एहि के लेल माफ करब. व्यस्तता के कारण चाहिओ कs एम्हर देख नहिं सकलौं. मन त बड़ होयत छल मुदा किछ नहिं कs सकलौं. खैर आब फेर अहां सभ सं नियमित रूप सं भेंट होयत रहत.
मनीगाछी के आस पास रहय वाला लोक सभ के लेल एकटा नीक गप्प ई अछि जे अगिला 14 आ 15 तारीख के वाणेश्वरीस्थान में विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के आयोजन कएल गेल अछि. समारोह के लेल जोर शोर सं तैयारी भ रहल छै. विद्यापति पर्व समारोह लेल 21 लोकक एकटा समिति बनाओल गेल अछि. समिति के संयोजक छथिन्ह डा. राम मोहन झा . समारोह में मिथिला के विशिष्ट लोक के सम्मानित सेहो कएल जाएत. एहि अवसर पर मैथिली गीत नाद के कार्यक्रम सेहो होयत

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु