नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अबे ओ बिहारी...

मुम्बई में महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के समर्थक उत्तर भारतक लोक सभ के खिलाफ अभियान चला रहल छथिन्ह. महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना राज ठाकरे के पार्टी के नाम छै. राज ठाकरे के कहनाय छैनि जे उत्तर भारतक लोक के मुम्बई आबय सं स्थानीय लोक के रोजगार नहिं मिलि रहल छै आओर ओ बेरोजगार भटकि रहल छथिन्ह. ओना हुनकर उत्तर भारतक मतलब यूपी - बिहार सं छैनि. यूपी - बिहारों में खास बिहार सं. पंजाब ... हरिय़ाणा... राजस्थान... दिल्ली सं नहिं. ई सोचय वाला बात छै जे आखिर बिहार में कोन बात छै जे दिल्ली... असम... बंगाल या मुम्बई के लोक सभ बिहारी सं एतेक डरय छथिन्ह. आओर एहि डरक कारणे दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... मुम्बई के लोक डरि कय बिहारी कहय छथिन्ह... भइया कहि बुलाबय छथिन्ह. अबे ओ बिहारी कहि अपमान करय के कोशिश करय छथिन्ह. ओ त बिहारी कनि शांत प्रकृति के लोक छथिन्ह ताहि कारणे बात के अनसुना कय दैत छथिन्ह. कहय छथिन्ह अपन काम काज करब कि एहि सभ में फंसल रहब. अहि कारण दिल्ली मुम्बई वाला के बात पर ध्याने नहिं दैत छथिन्ह.
आखिर बिहार के लोक में एहन कोनो बात त जरूर छै जे सभ गोटे बिहार के लोक स डरय छथिन्ह. ई हल्ला बंगाली... मराठी... मलयालयी... पंजाबी...मद्रासी... कश्मीरी के लS क किएक नहिं अछि. जबकि एतय के लोक सेहो देश के हर प्रदेश... राज्य में बिखरल छथिन्ह. देश के हर हिस्सा में काम-काज करय छथिन्ह. आखिर ओ बिहारक लोक के प्रगति... उन्नति... कमाय के किएक नहिं पचा पाबय छथिन्ह. अगर बिहार के लोक सभ क्षेत्र में आगां छथिन्ह त कि एहि में बिहार के दोष? एहि में बिहार के लोकक कोनो दोष नहिं छनि. ओ जतय जाय छथिन्ह अपन मेहनत... काबिलियत के बल पर सभके पाछां छोड़ि दैत छथिन्ह. चाहे वो कोनो काम - काज होय आ पढ़ाई लिखाय आ नौकरी. बिहारी जतय जाय छथिन्ह अपन परचम लहरा दैत छथिन्ह.
आब एहि में बिहार के लोक के कोन दोष छै जे दिल्ली के ज्यादातर ऑटो... रिक्शा... टैक्सी... दोकानदार... सब्जी वाला... सरकारी दफ्तर में काज करय वाला लिपिक... बाबू... अफसर बिहार के छथिन्ह. कि एहि में बिहार के कोनो गलति छै जे दिल्ली के स्कूल कॉलेज में सभसं ज्यादा विद्यार्थी बिहार सं जुड़ल छथिन्ह. बिहारक लोक में ई खूबी छैनि जे ओ जे काज करय छथिन्ह... पूरा मन लगाक करय छथिन्ह. अपन सभ काज में सौ प्रतिशत दैत छथिन्ह. आ जे मेहनत करत देर सबेर ओकरा ओकर फल त मिलबे करतय. कतेक दिन रोकि कS रखबय. सभ दिन पक्षपात कय... बिहारी कहि... पाछां नहिं धकेल सकय छी न ?
देश के सभ लोक एक जकां छी... कोनो लोक में कोनो फर्क नहिं छैनि... हम लोक के बिहारी... पंजाबी... मराठी कहि नहिं बांटि सकय छी. सभ भारतक नागरिक छथिन्ह. सभ एकटा परिवारक हिस्सा छथिन्ह. आखिर भारतक पहचान छै अनेकता में एकता. दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... बंगाल आ मंम्बई के विकास में बिहारक लोक के बड़का योगदान छै. चाहे ओ इंफ्रास्ट्रक्चर सं जुड़ल होय... कृषि सं... या प्रशासन सं. चाहे ओ डॉक्टर होय... इंजीनियर होय... आईटी प्रोफेशनल होय या आईएएस आ आईपीएस. हर क्षेत्र में बिहारी अपन सशक्त मौजूदगी दर्ज करयने छथिन्ह त अपन काबिलियत के बल पर. आ एहि में ओहिठाम के स्थानीय लोक काज नहिं करय चाहय छथिन्ह या काज करय में सक्षम नहिं छथिन्ह त एहि में बिहारक लोक के कोन दोष ? स्थानीय लोक डॉक्टर... इंजीनियर... आईटी प्रोफेशनल... आईएएस... आईपीएस नहिं बनि पाबय छथिन्ह त कि एकर दोष बिहार के लोक पर देल जाउ. अगर ओ शून्य सं शिखर पर पहुंचल छथिन्ह त अहां हुनका ओतय सं गिराबय के नहिं सोचिऔ. हुनकर सहभागी बनु... हुनका जकां अहुं ओहिठाम मेहनत के बल पर पहुंचय के कोशिश करु. आखिर हम सभ त एके छी नहिं. त नीचा कि आ ऊपर कि सभ ठाम मिलि जुलि कS रहुं.

3 टिप्‍पणियां:

  1. You've raised the real issue. These pols. are practising petty politics for vested interests. They should be exposed and compelled to face their own music.

    जवाब देंहटाएं
  2. i have seen your web page its interesting and informative.
    I really like the content you provide in the web page.
    But you can do more with your web page spice up your page, don't stop providing the simple page you can provide more features like forums, polls, CMS,contact forms and many more features.
    Convert your blog "yourname.blogspot.com" to www.yourname.com completely free.
    free Blog services provide only simple blogs but we can provide free website for you where you can provide multiple services or features rather than only simple blog.
    Become proud owner of the own site and have your presence in the cyber space.
    we provide you free website+ free web hosting + list of your choice of scripts like(blog scripts,CMS scripts, forums scripts and may scripts) all the above services are absolutely free.
    The list of services we provide are

    1. Complete free services no hidden cost
    2. Free websites like www.YourName.com
    3. Multiple free websites also provided
    4. Free webspace of1000 Mb / 1 Gb
    5. Unlimited email ids for your website like (info@yoursite.com, contact@yoursite.com)
    6. PHP 4.x
    7. MYSQL (Unlimited databases)
    8. Unlimited Bandwidth
    9. Hundreds of Free scripts to install in your website (like Blog scripts, Forum scripts and many CMS scripts)
    10. We install extra scripts on request
    11. Hundreds of free templates to select
    12. Technical support by email

    Please visit our website for more details www.HyperWebEnable.com and www.HyperWebEnable.com/freewebsite.php

    Please contact us for more information.


    Sincerely,

    HyperWebEnable team
    info@HyperWebEnable.com

    जवाब देंहटाएं
  3. neek likhakalon sir...

    ona hamara yaad aawai achhi ji ek ber laaloo jee kono thakare shaaheb ke naseehat dene chhalaah- "apana ladaka log ko kahie ki man laga kar padhe aur tani cinema sarkas par kam dhyaan de."

    thaakare & company ke fer s o naseehat yaad karaav ke jaroorat achhi...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु