नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जयनगर तक ट्रेन

दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन बनला के बाद अखनो लोक के परेशानी कम नहिं भेल अ...ट्रेन कम भेला सं अखनो लोक के घंटों इंतजार करय पड़य छै...चारि-चारि..पांच पांच घंटा तक एको टा ट्रेन नहिं मिलैत छै...प्लेटफॉर्म पर बैठल ट्रेनक रस्ता देखैत रहुं...ओना आब कोलकाता...हाबड़ा जाई वाला एकटा आओर ट्रेन धुरियान फास्ट पैसेंजर के दरभंगा सं बढ़ा कय जयनगर तक कए देल गेल अ...मुदा धुरियान तं शुरुए सं अपन देर सं चलय के लेल बदनाम रहय अई...आ आब त एकर दूरी आओर बढि गेल... देखु कि होइछ...लोकक त बेहतरी के उम्मीद लएक चलैत छथि....ओना बड़ी लाइन के उद्घाटन के समय रेल मंत्री लालू यादव कहने छलथिन्ह जे जल्दीए गरीब रथ आओर दोसर ट्रेन के जयनगर तक क देल जाइत..मुदा जयनगर तक नहिं भेलाह सं अखनो बस..जीप टेम्पू में लटैक क यात्रा करय लेल मजबूर छथि...ट्रेन में सेहो कम बेस सेहे स्थिति रहैत अछि...चलु धुरियान सं शुरुआत भेल अ...दोसरो चलबे करत...नहिं चलय के एकटा कारण जयनगर में एखन ट्रेन लगाबय के ...देखरेख के सभ सुविधा नहिं होनाय सेहो छै...जेना जेना सुविधा उपलब्ध भेल जाइत..ट्रेनक संख्या सेहो बढ़ल जाइत...त आबय वाला दिन में बेहतरी के उम्मीद कएल जा सकय अ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु