नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

फिल्मी दुनिया के वारिस

संजय लीला भंसाली के नयका फिल्म आबि रहल अछि...सांवरिया... एहि फिल्म में हीरो-हीरोइन छथि ऋषि कपूर के सुपुत्र रणवीर कपूर आओर अनिल कपूरक सुपुत्री सोनम कपूर...एकरे साथ ई चर्चा एक बेर फेर सं जोर पकड़क अछि जे स्टार पुत्र -पुत्री के फिल्मी दुनिया में बड़ आसानी सं मौका मिल जाइत अछि...हुनकर फिल्मक लांच खूब तामझाम सं कएल जाइत अछि...प्रचार पर खूब पैसा बहायल जाइत अछि...मुदा रणवीर आओर सोनम के ई पहिल मामला नहिं अछि...अगर बेटा-बेटीक बात कएल जाय त कपूर खानदान के पूरा बॉलीवुड समझल जा सकैत अछि...पृथ्वी राज कपूर, राज कपूर, शम्मी कपूर...शशि कपूर के बाद ऋषि कपूर आओर रणधीर कपूर सेहो खूब नाम कमयलाह। करीश्मा आओर करीना कपूर सेहो एहि खानदान सं छथि।
सदी के महानायक अमिताभ बच्चन के सेहो पूरा परिवार फिल्मे लाइन में छैन...पत्नी जया बच्चन, पुत्र अभिषेक बच्चन आओर आब तं ऐश्वर्य रॉय सेहो आबि गेलन्हि अ...शोले में अमिताभ के संगी धर्मेंद्र के सेहो परिवार एहि लाइन में छैन...पत्नी हेमा मालिनी...पुत्री ऐशा देओल...पुत्र सन्नी आओर बॉबी देओल।
ओना फिल्मी दुनिया में छायल रहल अ खान खानदान...खान खानदान मे सलीम-जावेदक जोड़ी में सं सलीम खान के पुत्र सलमान खान...अरबाज खान, सुहैल खान सभ फिल्मी लाइन सं जुड़ल छथि...जावेद अख्तर के पत्नी पुत्र सेहो फिल्म लाइन में छथिन्ह...आमिर खान फिल्मकार ताहिर हुसैन के पुत्र छथि...सैफ अली खान ...सोहा अली खान शर्मिला टैगोर के परिवार सं जुड़ल छथि...फरदीन खान, फिरोज खान के पुत्र छथिन्ह।
खान खानदान सं निकलला पर अगर सुपर हीरो के बात कएल जाय त राकेश रौशन के पुत्र ऋतिक रौशन आई काल्हि बॉलीवुड में छायल छथि...हिनकर परिवार में कएटा लोग एहि पेशा में छथि...सुरेश ओबेराय के नुनु विवेक ओबेराय सेहो नीक कय रहल छथि...जीतेन्द्र के पुत्र तुषार कपूर के अभिनय में सेहो धीरे धीरे सुधार आबि रहल अछि...आ एक्शन गुरू वीरू देवगन के पुत्र अजय देवगन के त बाते की कएल जाय...एक्शन हीरो के रूप में ई फिल्मी दुनिया में एकटा अलग मुकाम बना लेने छथि...हिनका कइटा पुरस्कार सेहो मिलल अछि... हिनकर पत्नी काजोल तनुजा आओर शोमू मुखर्जी के पुत्री छथिन्ह...शाहिद कपूर अपन मकबूल पंकज कपूर के नुनु छथिन्ह।
महेश भट्ट के अपन अलग खेमा छैन...हिनकर भाई सेहो फिल्मकार छथिन्ह...पुत्री पूजा हिरोईन सं आब फिल्मकार भ गेलन्हि...हिनकार भागिन इमरान हाशमी फिल्म में किसिंग ब्वाय के नाम सं मशहूर छथि...महेश भट्ट के पुत्र राहुल सेहो जल्दीए धमाका करय वाला छथि...अपन मुन्नाभाई संजय दत्त सेहो सुनील दत्त आओर नरगिस के सुपुत्र छथिन्ह।
ओना एहि में गलत सेहो किछु नहिं कहल जा सकय अ...चूंकि एहि लाइन में जे छथि हुनकर नुनु बुच्ची शुरूए सं अहि रंग ढंग में रंगल रहय छथिन्ह...ओ देखैत रहय छथिन्ह जे कोन काज केना होइछ...पार्टी...शादी विआह...जन्मदिन...फिल्मी समारोह में आबैत जाइत ओ एक दोसरा के जानैत रहय छथिन्ह...कोनो झिझक नहिं रहय छैन...हुनका पता रहय छैन जे कोन लोक कोन काज जानैत छथिन्ह...कोन समान कतय मिलय छै...कोन कैमरामैन...एडीटर...लाइटमैन...संगीतकार कतय मिलताह...सभक जानकारी हुनका बच्चे सं रहय छैन...ओ ऊ वातावरण में रमल रहय छथि...बॉलीवुड हुनका लेल घर -अंगना भेल। सभक साथ चचा-मामा-अंकलक संबंध रहय छैन...ताहि सं फिल्म मिलय में आसानी होइछ।
जखन कि नवका लोकक लेल सभ किछु नव रहय छैन... हुनका गॉडफादर के जरूरत होइछ...अगर गॉडफादर नहिं मिलल त दिन राति संघर्ष करय पड़ैत अछि...ओहि में फिल्म चलि गेल त ठीक नहिं तं आगां काज मिलनाय मुश्किल...थियेटर सं जुड़ल लोक के सेहो खूब धक्का खाय पड़य छनि...एक स्टूडियो सं दोसर स्टूडियो छानय पड़ैय छै...फिल्मी दुनिया सं बाहर वाला सौ में से दुई चारि टा लोक सफल होइत अछि...मुदा एकर मतलब मन हारि के बैठ जनाय नहिं छै...अगर अहां में ऊ जोश...उत्साह...किछु करि गुजरय के लगन अछि तं रोमगोपाल वर्मा...सुभाष घई...प्रकाश झा...जैसन फिल्मकार के नजर पड़य के देर छै...फेर कहैत रहुं मुम्बई केर किंग कौन ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु